बर्दिवासक सरोजक सात वर्ष पहिने भेल हत्यामे कनियाँसहित तीन गोटे पक्राउ

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

बर्दिवास

महोत्तरीक बर्दिवासमे सात वर्ष पहिने भेल एकटा रहस्यमय मृत्यु प्रकरण अखन नयाँ मोड लेलक अछि। सुरुमे सामान्य सवारी दुर्घटनाक रूपमे लेल गेल ई घटना पुनः अनुसन्धानक बाद योजनाबद्ध हत्या भेल खुलल अछि।

महोत्तरीक बर्दिवास–३ स्थित स्मृति पार्कक नजदिक बीपी राजमार्ग अन्तर्गत २०७६ असार ३१ गते राति करिब १ बजे प्रदेश–२–०२–००१ प ३०५४ नम्बरक स्कुटर दुर्घटनाग्रस्त अवस्थामे भेटल छल। स्कुटर सडकक कतोक कातमे खसल अवस्थामे छल तँ चालक ३६ वर्षीय श्रवण कुमार (सरोज) थापा नजदिकक नालीमे मृत अवस्थामे भेटल छलाह।

घटनाक लगत्तै प्रहरी टोली पहुँच कऽ शव जिल्ला अस्पताल पठेने छल। पोस्टमार्टम रिपोर्टमे कपारमे गम्भीर चोटक कारणे मृत्यु भेल देखल गेल छल। तकरबाद मृतकक कनियाँ पूजा थापा शव बुझि कऽ अन्त्येष्टि कयने छलीह।

प्रारम्भिक अनुसन्धानमे घटनाकेँ सामान्य दुर्घटनाक रूपमे देखल गेल छल। मुदा, स्कुटरमे खासै क्षति नै देखला पर ओतय चालकक मृत्यु होएब शंकास्पद देखला कऽ बाद परिवारजन पुनः अनुसन्धानक माग कयने छलाह। तकरबाद प्रहरीक केन्द्रीय अनुसन्धान ब्यूरो (सीआईबी) ई घटनाक गहिर अनुसन्धान सुरु कयलक।

अनुसन्धानक क्रममे ई घटना दुर्घटना नै भऽ कऽ योजनाबद्ध हत्या भेल निष्कर्षमे प्रहरी पहुँचल अछि। प्रहरीक अनुसार मृतक आ हुनकर कनियाँक बीच सम्बन्ध नीक नै रहब, घरायसी विवाद तथा कुटपिटक घटनासँ परिस्थिति जटिल बनल देखल गेल अछि।

प्रहरी अनुसन्धान अनुसार पूजा थापा अपन माय लक्ष्मी बस्नेत तथा दिदी-बहिनिसभक सहयोगमे हत्याक योजना बनेने छलीह। घटनाक राति ओखती (दवाइ) किनबाक बहानामे सरोजकेँ घरसँ बाहर पठाओल गेल छल। स्मृति पार्कक नजदिक पहुँचला बाद पूजाक बहिनि निशा बस्नेत सुपारी दऽ कऽ राखल व्यक्तिसभक माध्यमसँ सरोजकेँ नियन्त्रणमे लेलक आ कपारमे पाथर (ढुंगा) सँ प्रहार कऽ हत्या कऽ देलक।

हत्याक बाद घटनाकेँ दुर्घटना जकाँ देखबय लेल स्कुटर सडकमे खसा देल गेल आ शवकेँ नालीमे फेकल गेल छल, ई प्रहरीक कहनाय अछि।

घटनाक करिब दुई महिना बाद प्रहरी चार गोटे संलग्र व्यक्तिकेँ पक्राउ कयने छल। मुदा मुख्य योजनाकार कहल जाइ बला पूजा थापा, हुनकर माय आ अन्य दिदी-बहिनिसभ फरार भऽ भारतदिश भागल छलीह।

लमहर समयक खोजीक बाद प्रहरी पूजा थापा, निशा बस्नेत आ आरती बस्नेतकेँ नेपाल–भारत सीमा क्षेत्रसँ पक्राउ कयने अछि। ओ सभक विरुद्ध थप अनुसन्धान आ कानुनी प्रक्रिया आगाँ बढ़ाओल गेल अछि।

एहि बीच, घटनाक अनुसन्धानमे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह कयनिहार इलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिवासक प्रहरी नायब उपरीक्षक बिकाश बमकेँ गोदार थापा समाज महोत्तरी शुक्रदिन सम्मान कयने अछि। बर्दिवास क्षेत्रक शान्ति सुरक्षा कायम करबामे योगदान कयने कहैत आयोजित कार्यक्रममे बर्दिवास नगरपालिकाक नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्रीक प्रमुख आतिथ्यमे समाजक अध्यक्ष रुद्र थापा दोसल्ला ओढ़ा कऽ सम्मानपत्रसहित बमकेँ सम्मान कयलनि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...