बर्दिबासमे ‘मेयर कप पुरुष फुटबल प्रतियोगिता–२०८३’ आयोजना होयत, टिम दर्ताक लेल आह्वान

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर

बर्दिबास

महोत्तरीक बर्दिबास नगरपालिकामे ‘मेयर कप पुरुष फुटबल प्रतियोगिता–२०८३’ आयोजना होबय जा रहल अछि। प्रतियोगिता सञ्चालनक लेल नगर खेलकुद विकास समिति सुकर दिन सूचना जारी करैत प्रतियोगिताक तयारी तथा टिम दर्ता प्रक्रियाक बारेमे जानकारी सार्वजनिक कयने अछि।

समितिक मिति २०८३ बैशाख १५ गतेक निर्णय तथा नगरपालिकक कार्यादेश अनुसार साविकक ८ टा गाउँ विकास समितिसभक पहिचान आ स्मरणस्वरूप ई प्रतियोगिता सञ्चालन कयल जा रहल अछि।

प्रतियोगिताक मुख्य शर्तसभ:

  • टिम दर्ता: प्रतियोगितामे सहभागी होबय लेल बर्दिबास नगरपालिका अन्तर्गतक साविक गा.वि.स. (हालक वडासभ) सँ एक-एक टिम दर्ता करेबाक पड़त।
  • खेलाडीक योग्यता: खेलाडीसभ बर्दिबास नगरपालिका भितरके स्थायी बासिन्दा होबय पड़त।
  • सिफारिस: सम्बन्धित वडा कार्यालयक अनिवार्य सिफारिस आवश्यक अछि। यदि एकहि साविक गा.वि.स. अन्तर्गत दुई वा ओहि सँ बेसी वडा अछि तँ सभ वडाक सिफारिस पेश करेबाक पड़त।
  • खेलाडी संख्या: सहभागी होबय चाहबला प्रत्येक टिमके १६ टा खेलाडीसभक नामावली पेश करेबाक पड़त।

महत्वपूर्ण मिति समय:

  • टिम दर्ताक अन्तिम मिति: २०८३ बैशाख २२ गते (कार्यालय समय धरि) आ २३ गते दुपहर २:०० बजे धरि रहत।
  • टाईसिट निर्माण: २०८३ बैशाख २३ गते दुपहर ३:०० बजे होईत।
  • प्रतियोगिता प्रारम्भ: २०८३ बैशाख २४ गते (बृहस्पति दिन) सँ बर्दिबास रंगशालामे होयत सँ नगर खेलकुद विकास समितिक अध्यक्ष बोधबहादुर कटुवाल (बलदेव) द्वारा हस्ताक्षरित सूचनामे उल्लेख अछि।

टिम दर्ता प्रक्रियामे सहजीकरण कऽ देबय क लेल बर्दिबास नगरपालिकाक सम्पूर्ण वडा कार्यालयसभके अनुरोध कयल गेल अछि।

बर्दिबास मे होबय जा रहल ई ‘मेयर कप पुरुष फुटबल प्रतियोगिता–२०८३’ सँ स्थानीय स्तरमे फुटबल खेलक प्रवर्द्धन होयबाक साथे युवा खेलाडीसभक क्षमता विकासमे सेहो मदति पहुँचल विश्वास कयल गेल अछि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...