भारत के विभिन्न सहर सँ उद्धार कएल १६ गोट बाल-बालिकाके जनकपुरधाममे अभिभावकके जिम्मा

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
जनकपुरधाम

भारत के अलग-अलग सहरमे भटकल १६ गोट बाल-बालिकाके उद्धार कयल गेल आ ओहसभके आइ जनकपुरधाममे अपन परिवारक जिम्मा देल गेल।

मधेश प्रदेशक महोत्तरी, धनुषा, सिरहा, रौतहट आ सप्तरी जिला सँ गेल ओ बाल-बालिका भारतक मुम्बई, दिल्ली आ बिहारक विभिन्न ठाम पहुँचल छलाह। भारतीय पुलिसक सहयोग सँ ‘कीन इण्डिया’ संस्था ओहसभक उद्धार कयलक आ सुरक्षित रूप सँ स्वदेश वापस आनलक।

जनकपुरधाममे आयोजित कार्यक्रमक दौरान मधेश प्रदेश सरकारक खेलकूद आ समाज कल्याण मंत्रालयक निमित्त सचिव रञ्जित यादवक उपस्थिति मे बाल-बालिकाके अपन अभिभावकक जिम्मा देल गेल।

राष्ट्रिय बालअधिकार परिषद्, मधेश प्रदेशक समन्वय अधिकारी सञ्जीव महतोक अनुसार उद्धार भेल बाल-बालिकाक उमेर ९ सँ २२ वर्षक बीचमे छै।

एहने, ‘कीन इण्डिया’ संस्था भारतीय पुलिसक समन्वयमे दोसर दुई गोट बालिकाके सेहो उद्धार कयलक अछि। ओ सभके बाल कल्याण समिति आ बाल-बालिका खोज आ उद्धार केन्द्र जनकपुरधामक माध्यम सँ परिवारक जिम्मा देल गेल अछि।

महतोक कहब अनुसार उद्धार भेल बाल-बालिकामे बेसी हिस्सा रोजगार, आमदनी आ अवसरक खोजमे भारत गेल छलाह। संस्था आ पुलिसक संयुक्त पहल सँ ओ सभके सुरक्षित रूपमे स्वदेश वापस आनल गेल अछि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...