बर्दिबासमे जु वा–तास खेल रहल सात गो टे गिरफ्तार

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
महोत्तरी

बर्दिबासमे जु वा खेल रहल समय मे सात गो टे आदमीके पुलिस गिरफ्तार
केने अछि।
इलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिबासक टोली बृहस्पत दिन दुपहर बर्दिबास–५ निवासी कृष्ण बहादुर तामाङक घर पर छापा मारि सबके पक्रने अछि।

गिरफ्तार भेला लोकसभमे सिराहा मिर्चैया नगरपालिका–४क २१ वर्षक भगवान बाबु साह समेत सात गो आदमी शामिल छथि।

पुलिसक कहल अनुसार, गिरफ्तार भेला लोकसभक लगे स २ लाख ३६ हजार ५ सय ७५ रुपैया नगद आ तीन बुक तास बरामद भेल अछि।

गिरफ्तार लोकसभके हाल इलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिबासमे राखि क आवश्यक अनुसन्धान चलि रहल पुलिस जनौल अछि।

 

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...