मधेश प्रदेशसभाक छठमा अधिवेशन भादो १२ गते सँ

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
जनकपुरधाम

मधेश प्रदेशसभाक छठमा अधिवेशन आब आवत भादो १२ गते सँ प्रारम्भ हएत। प्रदेश प्रमुखक कार्यालय गुरुवार एक विज्ञप्ति जारी कए सभाक आह्वान भेला कहलक।

प्रदेश सरकारक मन्त्रिपरिषद् २०८२ भादो ४ गते भेल बैठक अधिवेशन बोलाबकऽ लेल सिफारिस केने छल। ओहि सिफारिसक आधार पर नेपालक संविधानक धारा १८३ उपधारा (१) अनुसार प्रदेश प्रमुख भादो १२ गते दुपहर १ बजे सँ अधिवेशन शुरु हएबाक घोषणा केने छथि।

एहि सँ संगहि प्रदेशसभा भवनमे फेरु राजनीतिक दलसभ बीच नीति, कार्यक्रम आ विधेयकसभ सम्बन्धी चर्चा आ छलफल करबाक तैयारी भऽ रहल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...