लिम्पियाधुरा विवादमे“नेपाल केँ पाछा कए भारत–चीनक सहमति अस्वीकार्य“ःमहासचिव पोखरेल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिबास
नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)क महासचिव शंकर पोखरेल कहलनि जे दुइ पड़ोसी मुलुक भारत आ चीन नेपाल केँ नजरअंदाज करैत लिम्पियाधुरा नाका केँ व्यापारिक प्रयोजन सँ खोलबाक सहमति केलक अछि, जे अस्वीकार्य अछि।

प्रेस चौतारी नेपाल, महोत्तरी द्वारा बिरहसपतवार महोत्तरीक बर्दिबासमे आयोजना भेल पत्रकार सम्मेलनमे बाजैत महासचिव पोखरेल कहलन जे नेपालक भू–सीमा सन १८१६ क सुगौली सन्धिअनुरूप तय भेल छल। ओ कहलन, “महाकाली भूभाग सहितक नक्शा तथ्य आ प्रमाणक आधार पर हम बनौने छी, एकरा केओ अस्वीकार नहि कए सकैत अछि।”

ओ कहलन जे नेपाल बिनु भेल हालक भारत–चीन सहमतिसँ संवेदनशील विषय केँ बेवास्ता केल गेल अछि। मुदा ओ स्पष्ट केलन जे ओ कारण सँ चीन आ भारतमे होएबला तत्कालीन प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीक सद्भावना भ्रमण पर कोनो असर नई पड़त। “समस्या समाधान संवादे सँ होइत अछि, आ एकर लेल भ्रमण अवसर होइत अछि,” पोखरेल कहलन।

नेपाल सरकारक तरफ सँ पहिने विदेश मन्त्रालय दूनू देश केँ असहमति जनाबैत कूटनीतिक नोट पठा चुकल अछि आ आब तार्किक निष्कर्ष निकलबाक जिम्मेवारी भारत–चीनक अछि, ओ कहलन।

एमालेक मुख्य ध्येय “आगामी विधान महाधिवेशनक तयारी” पर केन्द्रित अछि, ओ कहलन जे महाधिवेशन पार्टी केँ नीति, विधि आ सशक्त संगठनक आधार पर मजबूत राष्ट्रीय शक्ति बनाबैमे मार्गदर्शन करत। “एमाले मात्र देश केँ आगू बढ़ा सकैत अछि, एहि विश्वास केँ आब बहुमत सरकार बनाक प्रमाणित करब,” ओ कहलन।

ओ कहलन जे हालक सरकार गठनक बाद आर्थिक सुधारक सकारात्मक संकेत भेटल अछि। पछिला एक बरखमे राजस्व वृद्धि, निर्यात वृद्धि आ पुँजीगत खर्चमे सुधार भेल अछि। “आब संघीयता कार्यान्वयन लेल बाकी कानून बनाबै पर सरकार केन्द्रित भएबाक आवश्यकता अछि,” पोखरेल जोड़ कहलन।

पत्रकारक सवाल पर महासचिव पोखरेल स्पष्ट केलन जे संविधान संशोधन लेल एमाले आ कांग्रेस बीच भेल सहमति यथावत अछि। राष्ट्रियसभामे सत्ता साझेदार दलक उपस्थिति आब कमजोर अछि, मुदा आउनिहार निर्वाचनक बाद मजबूत उपस्थिति बनत आ ताहिकेवाद संविधान संशोधनक प्रक्रिया आगू बढ़त,।

महासचिव पोखरेल मधेस प्रदेशक अगुवा कार्यकर्तासँ विधान महाधिवेशनमे प्रस्तुत होएबला राजनीतिक, संगठनात्मक आ विधान संशोधन प्रस्ताव पर विचार–विमर्श करबाक लेल बर्दिबास आएल छला। पत्रकार सम्मेलनमे नेकपा (एमाले)क सचिव रघुवीर महासेठ, स्थायी समिति सदस्य लिलानाथ श्रेष्ठ, पोलिटब्युरो सदस्य सुमनराज प्याकुरेल, मधेस प्रदेश अध्यक्ष चन्द्रेश्वर मण्डलसहित उपस्थिति छलाह।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...