आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
मधेस प्रदेशकेँ देल जाएबला रासायनिक मलकेँ कोटा वृद्धि होए बला अछि। अहि समय करीब २७.१६ प्रतिशत अनुदानकेँ मल पाइ रहल मधेस प्रदेशकेँ अतिरिक्त कोटा उपलब्ध कराबैबारे उच्चस्तरीय बैठकमे सहमति भेल अछि।
संघीय सरकार बीतल साउन ७ गते मधेसकेँ संकटग्रस्त क्षेत्र घोषणा करबाक बाद संघीय कृषि आ पशुपन्छी विकास मंत्री रामनाथ अधिकारी, प्रदेश प्रमुख आ मंत्रीसभ, संघीय सांसद आ सरोकारवाला निकायकेँ उच्च अधिकारी सभक बीच मंगलदिन जनकपुरस्थित मंत्रालयमे छलफल भेल छल।
बैठकमे मधेसक सुखाड़ग्रस्त क्षेत्रमे तत्काल सिंचाईक व्यवस्था करबाक आवश्यकता पर बल देल गेल आ दीर्घकालीन समाधानक लेल जरूरी पूर्वाधार विकास पर ध्यान देबाक निष्कर्ष निकालल गेल। एहि संगहि ऊईख किसानकेँ पहिले सँ दिइ रहल अनुदान रकमकेँ निरन्तरता देबाक निर्णय सेहो भेल।
प्रदेश भूमि व्यवस्था, कृषि आ सहकारी मंत्रालयक सचिव डा. उमेश दाहालक अनुसार, बैठक रासायनिक मल वितरण संगहि प्राङ्गारिक मल प्रवद्र्धन, माटिक सुधार आ कृषि पूर्वाधारमे लगानी बढाबैक कार्यक्रम आगु बढ़ाबैबाक निर्णय कएलक अछि।
छलफलमे प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतीश कुमार सिंह, प्रदेश कृषि मंत्री जनार्दन सिंह क्षेत्री, संघीय सांसदसभ रामकृष्ण यादव, देवप्रसाद तिमल्सिना, अमनलाल मोदी, हरि प्रसाद उप्रेती, संघीय मंत्रालयक सचिव डा. गोबिन्द शर्मा, मधेस सरकारक मुख्य सचिव मदन भुजेल आदिक उपस्थिति रहल।
संघीय कृषि मंत्री अधिकारी बैठकमे उठल विषयसभकेँ तत्काल सम्बोधन करबाक लेल संघीय, प्रदेश आ स्थानीय सरकारबीच सहकार्य पर आधारित तत्कालीन, अल्पकालीन आ दीर्घकालीन योजना तयार कयक कार्यान्वयन करबाक प्रतिबद्धता जनौलईन।
