आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरी जिला के बर्दिवास नगरपालिका मे रहल फरक क्षमता वला नगरवासी सभक आर्थिक आ सामाजिक स्थिति सुधार होय बला अछि।
आडरा नेपालक आर्थिक सहयोग, बर्दिवास नगरपालिकाक सहकार्य आ समन्वय सँ गैरसरकारी संस्था समृद्ध नेपाल द्वारा संचालन होयल “फरक क्षमता वला नगरवासी सभक आर्थिक आ सामाजिक स्थिति सुधार परियोजना“ अन्तर्गत लाभग्राही सभके व्यवसायिक अवसर प्रदान कैल जायत।
नगर उप–प्रमुखक पहल पर परियोजना मे सहभागिता सुनिश्चित करबाक लेल वडा नम्बर १, २, ३, ८, ९, १३ आ १४, कुल ७ टा वडा सँ सिफारिस भेल ४१ गोटे लाभग्राही सभके शामिल कैल गेल अछि। सहभागी चयन निर्देशिका २०८१ अनुसार भेल चयन मे ३१ गोटे तीन चरण मे व्यवसायिक तालिम सेहो प्राप्त केने छथि।
एहि संदर्भ मे नगरपालिकाक तरफ सँ लैंगिक समावेशी बजेट कार्यशाला गोष्ठी सेहो सम्पन्न कैल गेल। गोष्ठी मे सहभागी फरक क्षमता वला व्यक्ति सबके दैनिक उपभोग्य सामग्रीक दुकान, बकरीपालन, गाईपालन, मुर्गा मुर्गी पालन आ नास्ताक दुकान संचालन करबाक लेल सहयोग देल जायत।
सहयोग स्वरूप प्रत्येक लाभग्राहीकेँ पहिल किस्ता मे रु. १५ हजार आ दोसर किस्ता मे रु. ५ हजार, कक कुल रु. २० हजार उपलब्ध करायल जायत, ई जानकारी समृद्ध नेपालक अध्यक्ष भीम बहादुर आले मगर देने छथि।
एहि परियोजनासँ फरक क्षमता वाला नगरवासी सभ आत्मनिर्भर बनि आर्थिक आ सामाजिक क्षेत्र मे योगदान देत, ई अपेक्षा कैल गेल अछि।
