आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरी जिला के बर्दिबास–३ गौरीडाँडा स्थित सर्पदंश उपचार केन्द्र केँ नव नेतृत्व भेटल अछि। विभिन्न दल, समुदाय आ सरोकारवाला सभक सर्वसम्मति सँ मंगलदिन कृष्ण प्रसाद देवकोटा केँ केन्द्रक अध्यक्ष रूपेँ चुनल गेल। ११ सदस्यीय नवा सञ्चालक समितिकेँ सर्वपक्षीय सहमति फईनल कयल गेल।
उपाध्यक्षमे बैद्यनाथ महतो, सचिवमे ध्रुवकुमार बिष्ट, सहसचिवमे खिलहरी गौतम आ कोषाध्यक्षमे सुमित्रा कार्की चुनल गेल छथि। सदस्यसभमे विजय दाहाल, विनोद बस्नेत, राधा कार्की, रञ्जितराज ढुंगाना आदिक नाम अछि। एहि तरहेँ, सर्वपक्षीय बैठक तुलसी प्रसाद ढुंगानाक अध्यक्षता मे ८ सदस्यीय सल्लाहकार समिति सेहो गठन कयलक, जतए चिरञ्जिवी हमाल, हिरालाल गौतम, सरिता ढुंगाना, कुमार भण्डारी आदि सामिल छथि।
गत शनिदिन सम्पन्न साधारण सभासँ नव समिति चुनल नई जा सकल तऽ नेपाल सरकारक निवृत्त उपसचिव रामकुमार कार्की के संयोजकत्वमे निर्वाचन समिति गठन कएल गेल छल। पहिल चरणमे सहमति नई भेलाक बाद मंगलदिन दोसर चरणक छलफलसँ नव समिति तय भेल। एई तरहेँ सर्वसम्मति नेतृत्व चयन होएब सर्पदंश उपचार केन्द्रक भविष्यक लेल सबल कदम मानल जाएत अछि।
बर्दिबास नगरक्षेत्र ‘सर्पक खानी’ कहल जाएत अछि। एतय विशेष रूपेँ करैत आ गहुमन जेकाँ विषधर सर्प बहुतायतमे भेटैत अछि, जे कारणेँ सर्पदंशक घटना सामान्य दैनिक जीवनक हिस्सा समान भऽ गेल अछि। एहि कारण २०७१ सालक साउन ३१ गते स्थापन भेल सर्पदंश उपचार केन्द्र आब स्थानीय लोकनिक लेल जीवनरक्षक संस्था बनल अछि।
नेपाली सेना कऽ छ,गोटे दक्ष स्वास्थ्यकर्मी सभएँ मरीजक उपचार करैत छथि। हाल केन्द्रमे आजीवन सदस्य १२१ आ साधारण सदस्य ४८, मिलिकय १६९ सदस्य छथि।
२०८१ साल साउन १० गते सँ बर्दिबास नगरपालिकाक नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्रीक घोषणा पश्चात नगरवासी सभक लेल पूर्ण निःशुल्क उपचार उपलब्ध भऽ रहल अछि। एहि सँ पहिने बर्दिबास–३ वडाकार्यालय अपन वडावासी सभक लेल निःशुल्क उपचारक व्यवस्था कऽ देलक रहए।
“आब केन्द्रमे आरो उपकरण आ विशेषज्ञक व्यवस्था कऽ कऽ मरीज सभक लेल बेसी प्रभावकारी सेवा दिअएबाक तयारी अछि,” अध्यक्ष देवकोटा कहलनि, “एहि सँ बर्दिबास नगरक्षेत्रक करीब ७५ हजार जनसंख्या प्रत्यक्ष लाभान्वित होएत।”
सर्पदंश उपचार केन्द्रमे बर्दिबास नगरवासी मात्र नई, आस–पासक गौशाला, भंगाहा, औरही, रामगोपालपुर, सोनमा, संगहि छिमेकी जिला धनुषा, सर्लाही आ सिन्धुली सँ सेहो बिरामी सभ अबैत छथि। एहि कारण केन्द्र केँ क्षेत्रीय महत्व भेटल अछि।
बर्दिबास क्षेत्रक नागरिक सभक लेल सर्पदंश उपचार केन्द्र ‘जीवनक आशा’ बईन गेल अछि। सामूहिक सहमतिक आधार पर नव नेतृत्व चयन होएब एकर सुशासन आ पारदर्शिताक प्रतीक अछि। चुनौती तऽ अहाँतऽ अछि—विशेषज्ञ चिकित्सकक अभाव, आवश्यक उपकरण आ स्रोत–साधनक विस्तार, दीर्घकालीन आर्थिक व्यवस्थापन। मुदा स्थानीय सरकार, वडा कार्यालय, नागरिक समाज आ नगरवासी सभ मिलिकय अपन–अपन जिम्मेवारी बहन करत तऽ ई केन्द्र मात्र उपचार केन्द्र नहि रहि सामुदायिक ऐक्यबद्धताक प्रतीक बईन सकैत अछि।





































