मधेस प्रदेशक ‘बेटी शिक्षा बीमा कार्यक्रम’ बजेट अभावमे स्थगित

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
जनकपुरधाम

मधेस प्रदेश सरकार सात वर्ष पहिने शुरू केने मुख्यमन्त्री ‘बेटी पढ़ाउ, बेटी बचाउ’ योजना केर अन्तर्गत चलाओल ‘बेटी शिक्षा बीमा कार्यक्रम’ एहि वर्ष स्थगित कएल गेल अछि।

शिक्षा विकास निर्देशनालयक अनुसार चालू आर्थिक वर्ष २०८२÷८३ मे एहि कार्यक्रमक लेल कोनो बजेट विनियोजन नई कएल गेल अछि। निर्देशनालयक कार्यक्रम संयोजक प्रियंका यादव बजट अभावक कारण बीमा कार्यक्रम रोकल गेल जानकारी देलन।

निर्देशनालयक तथ्यांक अनुसार अहि समय धैर एहि कार्यक्रमक अन्तर्गत १४ हजार ४ सय ५३ बेटिक बीमा भऽ चुकल अछि। तथापि, १० हजार बेटिक बीमा प्रिमियम अबहियो देबाक बाँकी अछि। कार्यक्रमक अन्तर्गत एकटा बेटिक बीमा प्रिमियम ३७ हजार ४ सय ५७ रुपैयाँ ३७ पैसा तय कएल गेल अछि।

शिक्षा अधिकारीसभ आगामी दिन मे बजेट उपलब्ध होइतहि कार्यक्रम फेर सँ संचालन होयबाक आशा व्यक्त केने छथि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...