आज्ञा खबर
बर्दिबास
नेपाल तरुण दलक पाँचम अधिवेशनअंतर्गत सोमबार सम्पन्न बर्दिबास नगरपालिका–१२ क वडा अधिवेशन स्थानीय राजनीतिक माहौल मे नया उत्साह भरि देलक अछि। नेपाली कांग्रेस सँ आबद्ध ई युवा संगठनक अधिवेशन मात्र नेतृत्व चयनक कार्यक्रम नई, अपितु संगठनात्मक चेतना आ भविष्यक प्रति आशा केँ सेहो मजबुत बनौलक देखाइत अछि।
कार्यक्रमक उद्घाटन करैत नेपाली कांग्रेस महोत्तरी क्षेत्र नं। १ क महासमिति सदस्य आ बर्दिबास नगरपालिकाक नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री कहलईन—
“संगठनक सबल आधार युवा छथि, मजबुत संगठन सँ मात्र देश केँ विकासक बाट मे आगू बढाओल जा सकैत अछि।”
ओकर बात उपस्थित युवामे आत्मविश्वास जगौलईन आ राजनीतिक क्रियाशीलता केँ आओर गहिर बनौलईन, सहभागीसभक कथन अछि।
अधिवेशनमे महाधिवेशन प्रतिनिधि अशोक कोइराला, कांग्रेस महोत्तरी क्षेत्र नं। १ (क) क प्रदेश सभापति गंगा राउत, नगर सभापति युवराज पोखरेल, तरुण दल जिलाध्यक्ष विनय कुमार यादव, केन्द्रीय सदस्य मिनबहादुर कोइराला आदिक उपस्थिति उल्लेखनीय रहल। वरिष्ठ नेताक मार्गदर्शन आ युवा कार्यकर्ताक उत्साहक बीच अधिवेशन संगठन केँ व्यवस्थित करबाक आ भविष्य दिस अग्रसर करबाक संदेश देलक।
युवा कार्यकर्तासभ संगठन विस्तार, स्थानीय राजनीति आ कांग्रेस केँ मजबुत करबाक मे युवाक निर्णायक भूमिका पर विचार रखलईन। हुनक कथन अनुसार, पार्टीक भीतर मात्र नई, समाज आ राष्ट्र निर्माणमे सेहो युवाक सक्रियता अपरिहार्य अछि।
सहभागीसभक अनुसार, वडा तहक अधिवेशन नेतृत्व उत्पादनक अभ्यासक रूपमे देखल जाएत अछि। ई तरहक अधिवेशन युवासभ केँ नगर, जिला आ केन्द्रीय तह धरि नेतृत्व ग्रहण करबाक अवसर प्रदान करैत अछि।
“नया ऊर्जा, नया नेतृत्व आ नया अभियान” क मूल भावनासँ सम्पन्न अधिवेशन राकेश सिंहक अध्यक्षतामे ११ सदस्यीय नया कार्यसमिति चयन केलक।
जेकर उपाध्यक्ष संजिव सिंह, सचिव धनराज महतो, सह–सचिव फूलमती महतो, कोषाध्यक्ष रेनु कोइराला आ सदस्यसभमे हरीनारायण महतो, किशोरी महरा, दुखरा सदा आदिक चयन भेल।
ओहि तरह अधिवेशन ८ सदस्यीय नगर अधिवेशन प्रतिनिधि सेहो चयन केलक, जतय अल्का कुमारी सिंह, कौशिला देवी महरा, विजय थापा मगर आदिक नाम अछि। आजुक अधिवेशनमे जिल्ला अधिवेशन प्रतिनिधिक रूपमे राम जनम महतो, भेषबहादुर थापा आ फूलमती महतो केँ चयन कएल गेल।
बर्दिबास नगरपालिकाक नेपाली कांग्रेसक नगरसभापति युवराज पोखरेलक कथन अनुसार, ई अधिवेशन संगठन केँ आओर सबल बनबैत कांग्रेस केँ आगामी दिनमे जनतामे आओर जवाबदेह आ प्रभावकारी बनाबयमे मद्दत करएत।
बर्दिबास–१२ क अधिवेशन मात्र राजनीतिक कार्यक्रम नई, अपितु नया पीढ़ीमे राजनीतिक चेतना जगाबयक पाठशाला सेहो बनल। ई अधिवेशन युवा पीढ़ी केँ भविष्यक राजनीतिक यात्रा दिस अग्रसर करबाक संदेश देलक अछि।
स्थानीय राजनीति आ संगठनात्मक अभ्यास केँ सशक्त बनबैत आगू बढल ई अधिवेशनक ऊर्जा, नेतृत्व आ संकल्पक सकारात्मक प्रभाव केवल कांग्रेस भीतर नहि, बल्कि समग्र समाजपर पड़बाक अपेक्षा कएल जाएत अछि।
