आज्ञा खबर
सिन्धुली
सिन्धुली जिला अंतर्गत कमलामाई नगरपालिका–४ च्याउकोटमे प्रदेश सरकारक “गौरवके योजना” अंतर्गत निर्मित सिद्धबाबा भ्यू टावर संचालनमे आबै सँ पहिले जीर्ण अवस्था मे पहुँच गेल अछि। करीब साढे दुई करोड़ रुपैया खर्च करि बनाओल गेल ई संरचना अखन असामाजिक गतिविधि आ नशा करनिहार सभक अड्डा बनि गेल अछि।
भ्यू टावर निर्माण सम्पन्न भएते बहुत दिन भ’ गेल, मुदा एकर संचालन करबाक जिम्मेवारी न त’ प्रदेश सरकार ल’ सकल आ नहिं स्थानीय सरकार। दुनू तहक बीच समन्वयक अभावक कारण सरकारी सम्पत्ति प्रयोगमे आबै सँ पहिले नष्ट भए रहल अछि।
टावरमे सुरक्षा व्यवस्था नई रहबाक कारण सांझ झपझपैतेहि टावर परिसरमे नशा सेवन करब, अश्लील गतिविधि करबाक आ तोड़फोड़ करबाक जेकाँ क्रियाकलाप बैढ गेल अछि। झ्यालक काँच फूटाओल जा रहल अछि, भीतरी संरचना क्षतिग्रस्त भ’ रहल अछि आ सामग्री चोरी भए रहल अछि।
स्थानीय निवासी ई स्थितिप्रति चिंतित आ आक्रोशित छथि। हुनकर कहबाक छैक जे जँ भ्यू टावरके व्यवस्थित ढंग सँ संचालन कएल जाइत तँ ई स्थान आन्तरिक आ बाह्य पर्यटकक लेल आकर्षक गन्तव्य बनि सकैत छल। एकरा सँ स्थानीय बजार आ रोजगारीमे प्रत्यक्ष फाइदा होइत।
“करोड़ौं रुपैया खर्च क’के, बनाओल गेल संरचना यत्ते छिटपेट खंडहरमे परिणत भए गेला दुःखद अछि,” एक स्थानीय कहलनि, “सरकार केवल बनाबै काज कैलक, संरक्षणक जिम्मा ककरो नहि रहि गेल।”
एखन स्थानीयक माग छैक जे ढिलाइ नकरि टावरक संरक्षण, सुरक्षा आ व्यवस्थापनक स्पष्ट जिम्मेवारी तोरल जाए। हुनकर कहब अछि, “समयमे पहल नई भेल तँ सम्पूर्ण लगानी व्यर्थ भ’ जायत आ भविष्यमे अबैबला योजनाक विश्वसनीयता पर प्रश्नचिन्ह उठि जायत।”





































