आज्ञा खबर
बर्दिबास
जलेश्वर स्थित जिल्ला कारागारमे थुनुआ रहल एक कैदीबन्दीके उपचारक क्रममे मृत्यु भऽ गेल अछि।
मृत्यु भेलामे गौशाला नगरपालिका–५ स्थायी घर आ हाल बर्दिबास नगरपालिका–१४, शुभम बस्ती टोलमे बसैत आएल ६० बर्खक राजकिशोर साह छथि जेकर जानकारी जिल्ला कारागार महोत्तरीक प्रमुख अशोककुमार क्षेत्री देलथिन।
कारागार प्रमुख क्षेत्रीक कहब अनुसार शनिबार राईत साहक अचानक स्वास्थ्यमे समस्या भेलाक बाद ऊ बेहोस भऽ गेलाह। ओकरबाद हुनका तुरते प्रादेशिक अस्पताल जलेश्वर लऽ जायल गेल, मुदा उपचारक क्रममे हुनकर निधन भऽ गेल।
