बर्दिबासमे भेल अन्तरविद्यालय स्तरिय हाजिरीजवाफ प्रतियोगितामे मोडर्न गुरुकुल स्कूल पहिल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिबास
“ज्ञान, विज्ञान, सिप आ मौलिकता, साझेदारी आ प्रणालीगत साक्षरता” कहने मूल मान्यता सहित महोत्तरीक बर्दिबासमे शुकरदिन अन्तरविद्यालय स्तरिय माध्यमिक तहक हाजिरीजवाफ प्रतियोगिता सम्पन्न भेल।

बर्दिबास नगरपालिका शिक्षा, युवा आ खेलकुद शाखाक आयोजनामे बर्दिबासमे पहिल बेर आयोजित ई प्रतियोगितामे मोडर्न गुरुकुल स्कूल ९ अंक ला’ क’ पहिल, देउराली माध्यमिक विद्यालय ८ अंकसहित दोसर आ ने.रा. माध्यमिक विद्यालय बिजलपुरा–चल्की ७ अंकसहित तेसर स्थान हासिल कएलक। तहिना, सैनिक आवासीय माध्यमिक विद्यालय ५ अंक ला’ क’ चौठा स्थानमे सीमित रहल।

नगरपालिकाक अनुसार विजेता सभ विद्यालय केँ पुरस्कार आ प्रमाणपत्र प्रदान कएल गेल। प्रतियोगितामे नगर क्षेत्रभितरक सामुदायिक आ संस्थागत मिलाक २९ विद्यालय सहभागी भेल छल। हरेक समूहमे एकटा छात्राक सहभागिता अनिवार्य कएल गेल छल।

एहि क्रममे, बर्दिबास नगरपालिका भितर शैक्षिक सत्र २०८१मे उत्कृष्ट नतीजा आननिहार आ शतप्रतिशत नतीजा हासिल करनिहार विद्यालय आ विद्यार्थी केँ सेहो पुरस्कार आ प्रशंसापत्र प्रदान कएल गेल, ई जानकारी शिक्षा, युवा आ खेलकुद शाखाक अधिकृत रोमन निरौला देलन।

कार्यक्रम केँ सम्बोधन करैत नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री विजयी विद्यालय सभ आ उत्कृष्ट तथा शतप्रतिशत नतीजा आननिहार विद्यालय केँ बधाई आ शुभकामना देलनि। ओ कहलनि जे बर्दिबासमे विभिन्न स्थान सँ विद्यार्थी भर्ना करबाक लेल अबैत अछि, जे बर्दिवासक सकारात्मक पक्ष अछि, मुदा कतोक विद्यालयक एसईईके नतीजा शून्य रहल अछि, जे दुःखद अछि। नगर प्रमुख क्षेत्री कहलनि — “शून्य नतीजा आबैक कारणकेँ पहिचान क’ आगामी दिनमे सुधार कएल जायत।” ओ आगू कहलनि जे स्वास्थ्य आ शिक्षा क्षेत्र केँ नगरपालिकाक विशेष प्राथमिकतामे राखि क’ काज भ’ रहल अछि। एहि वर्ष सँ सुरु होइत शैक्षिक महोत्सवमे महोत्तरीक प्रत्येक नगरपालिकासँ उत्कृष्ट एकटा विद्यालय केँ सहभागी कराक’ नगर क्षेत्रक विद्यालय सभ सँ प्रतिस्पर्धा कराओल जायत।

तहिना, नगरपालिकाक प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत राममणि अधिकारी कहलनि जे विद्यालय शिक्षाक गुणस्तर सुधारक लेल अतिरिक्त क्रियाकलाप बहुते जरूरी अछि। ओ जानकारी देलनि जे सामुदायिक आ संस्थागत विद्यालय सभक वार्षिक अतिरिक्त क्रियाकलापक क्यालेन्डर छपाक’ वितरण कएल गेल अछि। अधिकारी कहलनि — विद्यालय स्वयं सक्रिय भ’क विद्यार्थी केँ अभ्यास कराक’ नगरस्तरीय अतिरिक्त क्रियाकलापमे प्रतिस्पर्धा कराबै, ई आवश्यक अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...