महिला उद्यमी महासंघ नेपाल, मधेश प्रदेशक अध्यक्ष देबकुमारी पौडेल (सबिना) चुनाईल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास
बर्दिवास नगरपालिकाक नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री कहलनि जे पुरुषक सफलतामे महिलाक अग्रणी भूमिका रहैत अछि। शुक्रदिन महोत्तरीक बर्दिवासमे आयोजित महिला उद्यमी महासंघ नेपाल, मधेश प्रदेशक गठन कार्यक्रमकेँ सम्बोधन करैत ओ कहलनि जे महिलाकेँ घरक ‘लक्ष्मी’ मानि पुरुषक सफलतामे हुनकर योगदान सदैव अग्रस्थानमे रहल अछि।

नगर प्रमुख क्षेत्री कहलनि जे मात्र परिवारकेँ देखेबाक मानसिकतामे सीमित भऽ आर्थिक उपार्जन करबाक प्रवृत्तिकेँ त्यागि, समाज आ देशकेँ मजबूत करबाक सोच सँ आगू बढल जा सकैत अछि। एहन होइत जल्दीसँआर्थिक आ सामाजिक रूपान्तरण सम्भव अछि। ओ कहलनि जे नेपाल कृषि प्रधान देश अछि आ एतय उत्पादित अन्नक प्रभावकारी बजारीकरण भेलासँ मात्र आर्थिक समृद्धिक बाट खुलत।

ओ कहलनि जे एखन कृषि उत्पादनमे विषादीक अति प्रयोग सँ जमीन आ मानव स्वास्थ्य दुनूकेँ आयु घटि रहल अछि आ अर्गानिक खाद्य सामग्रीक बजार मांग दिन–प्रतिदिन बढि रहल अछि। क्षेत्रीकेँ अनुसार, बर्दिवास नगरपालिका महिलाक क्षमता विकासक लेल उपमेयर स्वरोजगार कार्यक्रममार्फत श्रमकेँ सीप आ सीपकेँ रोजगार सँ जोड़बाक काज कऽ रहल अछि। एहि अन्तर्गत टपरी कारखाना, कपड़ा सिलाई जेकाँ आत्मनिर्भर गतिविधि संचालनमे अछि।

कार्यक्रममे मधेश प्रदेशक निवर्तमान गृह, संचार आ कानून मंत्री तथा महोत्तरी क्षेत्र नम्बर १(क)क प्रदेश सांसद शारदादेवी थापा प्रमुख अतिथि छलथि। महिला उद्यमी महासंघ नेपालक केन्द्रीय अध्यक्ष शोभा ज्ञवालीक अध्यक्षतामे सम्पन्न कार्यक्रममे महिला उद्यमी महासंघ नेपाल, मधेश प्रदेशक ९ सदस्यीय कार्यसमिति गठन भेल।

देबकुमारी पौडेल (सबिना)क अध्यक्षतामे गठन भेल समिति मे उपाध्यक्ष चञ्चला दास, सचिव सुनैना ठाकुर, कोषाध्यक्ष जानुका चौलागाँई आ सदस्य प्रतिमा कोईराला, संगम कुमारी गोले आदिक नाम शामिल अछि से संस्थाक सदस्य प्रतिमा कोईराला जाकारी देनैछथ।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...