आज्ञा खबर
बर्दीवास
अन्तराष्ट्रीय युवा दिवस २०२५ क’ अवसर पर महोत्तरी जिलाक बर्दीवास नगरपालिका मे विशेष कार्यक्रम आयोजित क’रिक मनायल गेल। “दिगो विकास, सुन्दर भविष्यक सार — स्थानीय युवाक सहभागिता समृद्धिक आधार” कहै मुख्य नाराक संग कार्यक्रम सम्पन्न भेल।
बर्दीवास नगरपालिकाक समन्वय आ सहकार्य सँ बर्दीवास युवा सँजाल आ रोयम नेपालक आयोजनामे सम्पन्न एहि कार्यक्रममे युवाक अवसर आ चुनौती पर नगर प्रमुख सँ इंटरैक्शन कैल गेल।
कार्यक्रमक सम्बोधन करैत नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री कहलनि जे युवाके रोजगारमूलक अवसर सँ जोड़बाक लेल बर्दीवास नगरपालिका लोकसेवा तैयारी कक्षा, सीपमूलक तालिम, क्षमता अभिवृद्धि कार्यक्रम जेकाँ विभिन्न योजना संचालन क’ रहल अछि। हुनका कहबाक अनुसार, विकासमे युवाक साझेदारी अपरिहार्य अछि आ लागुऔषध दुरुपयोग जेकाँ सामाजिक विकृति नियंत्रणक लेल तीनू तहक सरकार बीच सहकार्य जरूरी अछि।
कार्यक्रममे सहभागी नवयुवक–नवयुवती नगर विकास, शिक्षा, रोजगारी, स्वास्थ्य आ सामाजिक समस्या संबंधी अपन प्रश्न राखित नगर प्रमुख सँ प्रत्यक्ष संवाद कैलथि। बर्दीवास युवा सँजालक अध्यक्ष सुरेन्द्र साहक अनुसार, युवाक सक्रियता आ सरोकारकेँ सम्बोधन करबाक उद्देश्य सँ इंटरैक्शन कार्यक्रम आयोजित भेल।
संयुक्त राष्ट्र संघ द्वारा सन १९९९ मे स्थापित अन्तर्राष्ट्रीय युवा दिवस हरेक वर्ष १२ अगस्तक दिन मनायल जाइत अछि। एहि वर्षक नाराः “युवाक सहभागिताः दिगो भविष्यक आधार” रहल अछि। एहि संदेशक माध्यम सँ सामाजिक, आर्थिक आ राजनीतिक निर्णय प्रक्रिया मे युवाक सक्रिय सहभागिता सुनिश्चित करबाक आह्वान कैल गेल अछि।
संयुक्त राष्ट्र संघक तथ्यांक अनुसार, विश्व जनसंख्याक करीब १६ प्रतिशत हिस्सा १५ सँ २४ वर्षक बीचक युवामे अछि। नेपालमे ई अनुपात आरो बेसी अछि, जाहि सँ युवाके सामाजिक परिवर्तन आ आर्थिक प्रगतिक निर्णायक शक्ति बनबाक संभावना उल्लेखनीय अछि। विशेषज्ञक अनुसार, जँ युवाक सर्जनशीलता आ क्षमताके विकास योजनामे शामिल कैल गेल त दिगो आ समावेशी विकास संभव अछि।





































