स्थानिक सरकार सँँग भेल गेल सम्झौता पुनरावलोकन बैठक बर्दिवासमे सम्पन्न

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास
स्थानिक सरकार सँँग भेल सम्झौता पत्रक पुनरावलोकन बैठक बुध दिन महोत्तरी जिलाक बर्दिवासमे सम्पन्न भेल अछि। सेभ द,चिल्ड्रेनक आर्थिक सहयोगसँ सामुदायिक विकास तथा पैरवी मंचक आयोजना आ बर्दिवास नगरपालिकाक समन्वय आ सहकार्यसँ कार्यक्रम सम्पन्न भेल।

बर्दिवास नगरपालिकाक नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्रीक मुख्य आतिथ्य आ सामुदायिक विकास तथा पैरवी मंच नेपालक उपाध्यक्ष सोम बहादुर कार्कीके अध्यक्षतामे भेल बैठकमे शिक्षा, स्वास्थ्य, मनोपरामर्श, बाल संरक्षण, जीविकोपार्जन आदिक विषयमे गतकालमे सम्पन्न कार्यक समीक्षा, वर्तमानमे चलि रहल गतिविधिक मूल्यांकन आ भविष्यक योजनाक विषयमे विस्तृत चर्चा भेल सामुदायिक बिकास तथा पैरबी मञ्च जनेलक।

कार्यक्रममे अपन विचार दैत नगर प्रमुख क्षेत्री नगरमे शिक्षा विकासक लेल १० वर्षक योजनाक बारेमे जानकारी देलथिन आ कहलथिन जे एकर प्रभावकारी कार्यान्वयनके लेल सभक सहयोग आवश्यक अछि। हुनक कथनानुसार नगर विकासक लेल स्थानीय स्तरमे साझेदार संस्थाक सहकार्यसँ बेसी योगदान भेटल अछि। क्षेत्री कहलथिन जे साझेदार संस्थाक नीति निर्माणमे नगरपालिका सकारात्मक अछि आ सभ कार्य योजना अनुसार चर्चा, सहमति आ सहकार्यसँ आगू बढ़बाक आवश्यकता अछि। ओहि तरह, सामुदायिक विकास तथा पैरवी मंच बर्दिवासक उपाध्यक्ष सोम बहादुर कार्की कहलथिन जे स्थानीय सरकार सँँगक सहकार्यसँ बाल संरक्षण आ सामुदायिक सशक्तिकरणमे सकारात्मक प्रभाव भेटल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...