आज अन्तर्राष्ट्रीय युवा दिवस मनायल जाए रहल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास

आय (सावन २७ गते) दुनियाभर अन्तर्राष्ट्रीय युवा दिवस विभिन्न कार्यक्रमसभक संग मनायल जाए रहल अछि। संयुक्त राष्ट्रसंघ १९९९ ईस्वीमे एहि दिवसक स्थापना केने छल आ हरेक वर्ष १२ अगस्टक दिन युवा अधिकार, अवसर आ भूमिकाक महत्त्व केँ उजागर करबाक लेल मनायल जाएत अछि।

एह वर्षक नारा “युवाक सहभागिताः दिगो भविष्यक आधार” रहल अछि। एहि संदेशक माध्यम सँ युवा पीढ़ी केँ सामाजिक, आर्थिक आ राजनीतिक निर्णय प्रक्रियामे सक्रिय रूप सँ सहभागी करबाक आह्वान कएल गेल अछि।

नेपालभर सरकारी, गैरसरकारी आ युवासम्बन्धी संस्थासभ आय विभिन्न कार्यक्रम आयोजित कर रहल छथि। विद्यालय, कलेज, सामुदायिक भवन आ सार्वजनिक स्थलसभमे बहस, गोष्ठी, रैली आ सांस्कृतिक कार्यक्रमसभ संचालित भ’ रहल अछि। एहि क्रममे बर्दिवास स्थित सामाजिक संस्था युवा सञ्जाल बर्दिवास नगरपालिकाक विकासमे युवा सहभागिता विषय पर एकटा अन्तरक्रियात्मक कार्यक्रम करबाक अछि, ई जानकारी संस्थाक अध्यक्ष सुरेन्द्र शाह देने छथि।

विशेषज्ञसभक अनुसार यदि युवासभक क्षमता आ सृजनशीलता केँ विकास योजनामे समेटल जाए त’ दिगो आ समावेशी विकास सम्भव अछि। स्थानीय तहक जनप्रतिनिधिसभ युवासभ केँ नीति निर्माण सँ ल’ क’ कार्यान्वयन धरि प्रक्रिया मे सहभागी करबाक प्रति प्रतिबद्धता व्यक्त कएलनि अछि।

संयुक्त राष्ट्रसंघक आँकड़ानुसार विश्व जनसंख्याक करीब १६ प्रतिशत हिस्सा १५ सँ २४ वर्ष उमेर समूहक युवा छथि। नेपालमे ई अनुपात आओर बेसी अछि, जे युवासभ केँ देशक सामाजिक रूपान्तरण आ आर्थिक प्रगतिक निर्णायक शक्ति बनबैत अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...