आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरी जिलाक औरही नगरपालिका–१ क वडा सदस्य सुशील साह कार्यवाहक वडा अध्यक्ष बनल छथि। नगरपालिकाक साउन २६ गतेक नगर प्रमुखस्तरीय निर्णय मार्फत हुनका ई जिम्मेवारी देल गेल अछि।
स्थानीय सरकार संचालन ऐन, २०७४ क दफा ११६ अनुसार, वडा अध्यक्षक निधन भेल अवस्था मे ओहि वडाक सदस्यकेँ कार्यवाहकक रूपमे जिम्मेवारी देबाक कानूनी व्यवस्था अछि। एहि प्रावधानक आधार पर दिवंगत वडा अध्यक्ष योगी चौधरीक निधनक बाद साहकेँ दोसर निर्णय नहि होइपर्यन्त पदक सम्पूर्ण कामकाज करबाक जिम्मा देल गेल अछि।
नगरपालिकाक प्रचलित कानून अनुसार साहके वडा नं. १ क कार्यवाहक वडा अध्यक्षक रूपमे आवश्यक कार्य सम्पन्न करबाक अनुरोध कएल गेल अछि।





































