आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरी जिला के बलवा नगरपालिका–३, वदियास्थित रातु नदीमे आयल आकस्मिक बाईढ़ सँ एक गोटे लोकक जान गेल अछि।
मृतक महोत्तरी गाउँपालिका–३, डाम्ही निवासी ३५ वर्षीय चन्दन ठाकुर छथि, ई जानकारी जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी देलक अछि। ठाकुर पडौलसँ ट्याक्टरक डीजल किनिक साइकलसहित घर घुरि रहल छलह। घर घुरबाक क्रममे झोलुँगे पुल पार करबाक प्रयास करैत ओ नदीमे खसि गेलाह।
स्थानीय लोकनक अनुसार, उत्तर दिशासँ लगातार वर्षा भेलाक कारण रातु नदीमे पानीक बहाव अत्यधिक बैढ गेल छल। “हमनि पुल पार करक लेल मना केने रही, मुदा ओ पीठ पर साइकल लेने पार करबाक कोशिश केलनि आ अचानक चिपड्Þ गेलाह आ बही गेलाह,” एक गोटा स्थानीय कहलनि। उनका तत्काल उद्धारक प्रयास भेल, मुदा तीव्र पानीक बेगक कारण बचाएल नहि जा सकल।
प्रहरी निरीक्षक नन्दकिशोर चौहान कहलनि जे शवक पोस्टमार्टम प्रादेशिक अस्पताल जलेश्वरमे कएलाक बाद सोमबार परिवारक जिम्मा देल गेल अछि।





































