मलंगवा जेलमे क्षमता सँ दूगुना कैदी,व्यवस्थापनमे चुनौती

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सर्लाही
सर्लाही जिलाक सदर मुकाम मलंगवास्थित जिला कारागारमे क्षमता सँ बहुत बेसी कैदी–बन्दी राखल जाएबाक कारण प्रशासन व्यवस्थापनमे जोरदार दबाव पड़ल अछि।

कारागारक आधिकारिक क्षमता १६० पुरुष आ ५० महिला कैदी–बन्दीक लेल अछि। मुदा अहाँतक ३३३ पुरुष आ ३८ महिला कैदी रहैत छथि। महिला कैदी सँगे पाँच गोट बाल–बालिका सेहो कारागारमे रहि रहल छथि। पुरुष पक्षमे मात्र क्षमता सँ १७७ गोट बेसी कैदी होएबाक कारण बसबाक आ सूतबाक समस्या भेल अछि, ई बात निमित्त कारागार प्रशासक असरफ हुसैन गद्दी जनएलनि।

हुसेनक अनुसार, कम ठाममे बेसी कैदी होएबाक कारण कोठली, बरण्डा आ सीढ़ी धरि भरल अछि। गर्मीक दिनमे भीतरे समस्या होएबाक बाद बाहर पाल टांगि क’ सूतबाक व्यवस्था करबाक पड़ल अछि। महिला कैदी पक्षमे त क्षमता सँ कम रहबाक कारण भौतिक समस्या नाहि अछि।
मलंगवा कारागारमे सर्लाही सँ अलावा रौतहट, महोत्तरी, बारा, सिन्धुली, सिरहा,सप्तरी आ दोसर २० सँ बेसी जिला सँ कैदी–बन्दी राखल जाएत अछि।

कैदी–बन्दीक अगुआ आ चौकीदार मनोजकुमार चौधरीक अनुसार, ठामक कमी सँ कैदी लोकनि खेल–कूद वा सामान्य घुमबाक काज नाहि क’ सकैत छथि। “खान–पिन वा काजक त समस्या नहि अछि, मुदा सूतबाक आ बसबाक ठाम तंग रहबाक कारण सभजना असजगर महसूस करैत अछि,” चौधरी कहलनि।

कैदी–बन्दी सभ अहि समय गालिचा बनाब’ काज, सिलाइ–कटाइ, मुढ़ा बनाब’ जेकाँ सीपमे आधारित काजमे संलग्न छथि। मुदा कैलाली कारागार जेकाँ बड़ा उत्पादन आ सीप विकास कार्यक्रम मलंगवामे नहि अछि।

कारागारक सुरक्षा लेल प्रहरी नायब निरीक्षक (सई) केर नेतृत्वमे पुलिस टोली तैनात अछि, ई बात सर्लाही जिला पुलिस कार्यालयक प्रहरी उपरीक्षक योगेन्द्रकुमार खड़का जनौलक अछी

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...