आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरी जिलाक बर्दिवास नगरपालिका–४ अन्तर्गत गणन्ता सब डिभिजन वन कार्यालय क्षेत्रक पूर्व दिशामे पड़ैवला भव्सी नदीमे शुक्रक राईत एकटा वयस्क हरिण घायल अवस्थामे भेटल गेल।
पूर्व–पश्चिम महेन्द्र राजमार्गक एहि सडक खण्डक दुनू पार घना बन क्षेत्र होयबाक कारण हरिण ओहि बन क्षेत्रसँ सडक पर निकलल होय सकैत अछि, वन कार्यालयक अनुमान अछि। सवारी साधनक ठोकरसँ घायल भेल अनुमानित ओहि हरिणक गणन्ता सब डिभिजन वन कार्यालयक कर्मचारी दल तात्काल उद्धार कयलक।
वन अधिकृत उमेश मण्डलक अनुसार उद्धारक बाद तत्काले बर्दिवास नगरपालिकाक पशु सेवा शाखाकेँ जानकारी देल गेल। ओहि जानकारीक आधार पर शाखा प्रमुख बिमल कान्त यादवक नेतृत्वमे गेल दल शनिकालि बिहान हरिणक उपचार कयलक।
उपचारमे संलग्न पशु चिकित्सकक अनुसार हरिणक पीठ, मुख, डाँड आ शरीरक विभिन्न भागमे चोट लागल अछि। हाल हरिणक स्वास्थ्य अवस्था सुधारमे अछि आ पूर्ण रूप सँ ठीक भेला बाद फेर जंगल क्षेत्रमे छोड़ल जायत, वन कार्यालय जनौलक।





































