मधेस प्रदेशमे लम्पीस्किन महामारी, डेढ हजारसँ बेसी चौपाया मृत, टीका अभियान तीव्र

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास

मधेस प्रदेशमे फैलल लम्पीस्किन रोगक कारण एखन धरि १ हजार ७ सय चौपाया मुइल अछि, ई तथ्यांक प्रदेश सरकारक देखबैत अछि। भूमि व्यवस्था आ सहकारी मन्त्रालयक अनुसार, प्रदेशभरि ५२ हजार ६८६टा पशुमा ई रोगक सङ्क्रमण पुष्टि भेल अछि।

संक्रमित पशुमध्ये २३ हजार ७०९टा चौपाया उपचारक बाद निको भ’ गेल अछि। मन्त्रालयक अनुसार, लम्पीस्किन लागल पशुमे ज्वरो आब’ लागैत अछि, देहभरि घाउ–खटिरा देखाइत अछि आ घास-पानी खयक मन नहि करैत अछि।

रोगक जोखिम घटाबय लेल टीका अभियान चलायल जाए रहल अछि। एखन धरि प्रदेशभरि २ लाख ४५ हजार चौपायाकेँ टीका लगायल गेल अछि। एकरामध्ये २ लाख ३१ हजार ५१५टा पशुकेँ विभिन्न विज्ञ केन्द्रमार्फत टीका दिइल गेल अछि।

ओहि तरहेँ, स्थानीय तहक पहल पर धनुषामे ५६६, सर्लाहीमे १७५ आ रौतहटमे ३ हजार ७ सय चौपायाकेँ टीका लगायल गेल अछि। मन्त्रालयक कहल छैक जे संक्रमित पशुक समय पर उपचार आ रोग फैल’ सँ रोकबाक लेल टीका अभियानकेँ आओर तीव्र बनायल जाए रहल अछि

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...