आज्ञा खबर
काठमांडू
जनमत पार्टी अपने निलम्बित उपाध्यक्ष दीपककुमार साह के पार्टी स निष्कासित क’ देने छै। पार्टी के अनुशासन समिति के निर्णय अनुसार आब साह पार्टी के सामान्य सदस्य सेहो नै रहथिन।
अनुशासन समिति के संयोजक नरेन्द्र प्रसाद चौधरी आ सदस्य सचिव अनिता कुमारी मण्डल द्वारा संयुक्त रूप स जारी कएल गेल प्रेस विज्ञप्ति मे कहल गेल छै जे साह लगातार पार्टी विरोधी गतिविधि मे संलग्न छलाह।
विज्ञप्ति अनुसार, साह पार्टी के विभाजन करबाक प्रयास मे गुटबन्दी क’ क’ बैठक करब, संचार माध्यम मे भ्रमित करै वाला समाचार देब, अन्तरवार्ता देब आ सार्वजनिक रूप स पार्टी नीति के विरोध करै जेकाँ गतिविधि मे लागल छलाह। ई सभ गतिविधि पार्टी के प्रतिष्ठा, मर्यादा आ आन्तरिक एकता के कमजोर करै वाला अछि, जनमत पार्टी के कहल छै।
अनुशासन समिति जनमत पार्टी के विधान २०७५ के धारा ३९(क) अंतर्गत १२ उपधारामे सँ उपधारा १, ३, ४, ५, ६, ७, ९, १०, १२ आ १५ के उल्लंघन भेल ठहर करैत साह के निष्कासित करबाक निर्णय लेलन्हि।
साह के पूर्व मे सेहो आन्तरिक असहमति के कारण उपाध्यक्ष पद स निलम्बन कएल गेल छल। मुदा पार्टी भितरक असन्तोष आ असहमति सार्वजनिक रूप मे आओर बढ़ि गेलाक बाद पार्टी नेतृत्व आब पूर्ण रूप स हुनकर बहिष्कार करबाक निर्णय लेलन्हि।
पार्टी अनुशासन उल्लंघन जेकाँ गतिविधि पर जीरो टॉलरेंस (शून्य सहनशीलता) नीति अपनाबैत चेतावनी देलक अछि जे आगामी दिन मे यैसँ मिलल-जुलल काज दोहराउल गेल तँ कड़ा कार्रवाई कएल जायत।





































