आज्ञा खबर
काठमांडू,
नेपाल पत्रकार महासंघ संगे अन्य पत्रकार संगठन सब संचारमाध्यम स संबंधित कानूनी संशोधन के नाम पर सरकार द्वारा लाओल नव प्रस्तावित व्यवस्था क विरोध केने छैथ। ई व्यवस्था अनुसार, हाल धरि संचार तथा सूचना प्रविधि मंत्रालय के अधीन में होइत रहल ऑनलाइन संचारमाध्यम के पंजीकरण प्रक्रिया आब गृह मंत्रालय के अधीन प्रमुख जिला अधिकारी (सीडीओ) के जिम्मा देबाक प्रस्ताव छै।
नेपाल पत्रकार महासंघ बिहीबार एकटा विज्ञप्ति जारी कए कहलक जे संविधान में कल्पना नै कएल गेल संरचना स संचारमाध्यम के पंजीकरण कराब’ के प्रयास लोकतांत्रिक मूल्य आ संघीय शासन प्रणाली के विपरीत छै। महासंघ के महासचिव रामप्रसाद दाहाल द्वारा जारी विज्ञप्ति में कहल गेल छै – “संविधान स नै मानल गेल पंचायती शैली में संचारमाध्यम के पंजीकरण करबाक प्रयास अस्वीकार्य छै।”
महासंघ एहि कदम के पंचायती काल में प्रेस पर नियंत्रण करे के व्यवस्था के निरंतरता के रूप में सेहो व्याख्या केलक। कोनो सरोकार वाला पक्ष स बिना परामर्श कानूनी संशोधन लाब’ के प्रक्रिया लोकतांत्रिक संस्कार आ पत्रकारिता के स्वतंत्रता के खिलाफ बताओल गेल छै।
एहि प्रावधान के विरोध में प्रेस यूनियन, प्रेस सेन्टर नेपाल जेकां प्रमुख पत्रकार संगठन सभ सेहो सामने आएल छैथ। प्रेस यूनियन के महासचिव दिलीप पौडेल स्पष्ट रूप स कहला – “संचारमाध्यम नियमन आ पंजीकरण जेकां संवेदनशील कार्य गृह मंत्रालय स नै, संचार मंत्रालय में होब’ चाही।” ओ कहला – “मीडिया काउन्सिल विधेयक स एहन विषय के सम्बोधन होब’ चाही, नै कि गृह मंत्रालय के अधीन में द’ मीडिया नियंत्रण करे के रणनीति बनेबाक चाही।”
ओतहि, प्रेस सेन्टर नेपाल के महासचिव मनोज घर्तीमगर सेहो विज्ञप्ति जारी कए सरकार पर मीडिया पर नियंत्रण स्थापित करबाक आरोप लगौलक। ओ कहलथिन – “मौलिक अधिकार में पड़’ वाला संचार स्वतंत्रता पर नियंत्रण लाद’ के नियत स लाओल ई प्रावधान सिर्फ संविधान के विरुद्ध नै, बल्कि संघीयता के उपहास सेहो छै।”
प्रक्रिया स्थगित, बढ़ल अन्योल
विवादास्पद कानूनी संशोधन प्रस्ताव सार्वजनिक होइतहि पछिला तीन दिन स सरकार ऑनलाइन संचारमाध्यम के पंजीकरण प्रक्रिया रोकि देने छै। एहि स नव संचारमाध्यम खोल’ चाहनिहार आ नवीकरण के प्रक्रिया में रहल संचार गृह सभ अन्योल में पड़ि गेल छैथ। महासंघ, यूनियन आ सेन्टर – तीनू पत्रकार संगठन के साझा धारणा ई छै जे केंद्रित नियंत्रण के प्रयास अस्वीकार्य छै।





































