बलरामे दारू के विषय पर विवाद, भारतीय युवकक चाकू हमला सँ तीन नेपाली घायल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सर्लाही,

सर्लाही जिला के सीमावर्ती बलरा नगरपालिका–१, छन्की टोल में शनिचर साँझ भेल झड़प में तीन गोटे नेपाली युवक घायल भऽ गेलथि। ई झड़प भारतीय नागरिक द्वारा चाकू प्रहार सँ भेल अछि। दारू पिबै के विषय पर भेल विवाद ई घटना के जन्म देलक जे सीमा सुरक्षा आ भारत–नेपाल सीमावर्ती क्षेत्र के सामाजिक तनाव पर फेरसँ सवाल उठेलक।

जिला प्रहरी कार्यालय, सर्लाही के अनुसार बलरा नगरपालिका–१ के २५ वर्षीय धर्मवीर सहनी, १८ वर्षीय दशरथ सहनी आ २५ वर्षीय अमित मण्डल घायल भेल छथि। हुनका सभ केँ बलरास्थित धुलिखेल अस्पताल में प्राथमिक उपचारक बाद छुट्टी देल गेल। प्रहरी निरीक्षक बालिष्टर सिंह के अनुसार घायल सभक अवस्था खतरासँ बाहर अछि।

चश्मदीद सभक कथन अनुसार, शनिचर साँझ भारत सँ अबैत अमन सिंह, विकास सिंह, अटल राय, अवशेख सिंह आदि युवक दारू पीबै के क्रम में विवाद करै लागलथि आ तकरा बाद चाकू निकालि कऽ हमला कय देलथि। हमलाक बाद सभ भारतीय युवक भागि कऽ अपन देशक ओर चलि गेल।

घटना के सूचना भेटिते इलाका प्रहरी कार्यालय गडहिया आ जिल्ला प्रहरी कार्यालय सर्लाही सँ दू गोटे प्रहरी निरीक्षकक नेतृत्व में टोलि पठाओल गेल छल। मुदा हमलावर सभ तुरन्ते भारतीय सीमा दिस भागि गेलाक कारण ओ सभ केँ पकड़ल नहि जा सकल, ई जानकारी प्रहरी स्रोत देलक।

स्थानीय बासिन्दा सभक अनुसार भारतक बिहार राज्य में दारू बिक्री, वितरण आ सेवन पर प्रतिबंध लागल छै, ताहि कारण सीमापारी किछु युवक नेपाल में आबि कऽ दारू पीबै लागल छथि। ई कारण सँ सीमावर्ती क्षेत्र में आपराधिक गतिविधि आ तनाव बढि रहल अछि।

सीमा क्षेत्र में कानून आ शांति-सुरक्षाक गारंटी सुनिश्चित करबाक लेल नेपाल आ भारत दुनू सरकारक बीच समन्वय जरूरी छै, एहन मांग स्थानीय जनता द्वारा कएल जा रहल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...