आज्ञा खबर
बर्दिवास,
महोत्तरीक बर्दिवासमे पहिल बेर गाईजात्रा विशेष कार्यक्रम आयोजना होमै जा रहल अछि। ‘‘अब हँसत बर्दिवास’’ नामसँ होइवाला ई कार्यक्रम साउन २४ गते शनिदिन दिउँसो ३ बजे सँ बर्दिवास–१४ स्थित गौतम होटलक सभाहलमे सम्पन्न होयत।
सिस्नुपानी नेपाल महोत्तरीक आयोजनामे ई वर्ष हास्य–व्यंग्य, कला–संस्कृति आ सामाजिक सन्देशक समन्वयमे विभिन्न मनोरञ्जनात्मक प्रस्तुति सभक संग गाईजात्रा कार्यक्रम बर्दिवास वासीकें हास्य–व्यंग्यक स्वाद देत – एहेन विश्वास आयोजकक अछि।
कार्यक्रमक उद्देश्य नेपाली मौलिक हास्य परंपरा आ सांस्कृतिक चेतनाक संरक्षण करैत सामाजिक जागरूकता फइलाबय अछि।
सिस्नुपानी नेपाल महोत्तरी एहि कार्यक्रम केँ सभ्य, भव्य आ सफल बनेबाक लेल समस्त संघ–संस्था, नागरिक समाज, कलाकार, सञ्चारकर्मी तथा हास्य–व्यंग्यमे रुचि रखनिहार सभ केँ उपस्थित होबऽ लेल हार्दिक अनुरोध केने अछि।
कार्यक्रममे स्थानीय कलाकारसभक हास्य–व्यंग्य प्रस्तुति होयबाक जनत गेल अछि। गाईजात्रा जेकाँ मौलिक आ परंपरागत उत्सव केँ बर्दिवासमे आनिक सांस्कृतिक विविधता केँ उजागर करबाक ई प्रयास ऐतिहासिक बनत – एहेन अपेक्षा आयोजकक अछि।
कार्यक्रम देखबाक लेल कोनो प्रकारक टिकट अथवा शुल्क नइ लागत – आयोजक संस्था सिस्नुपानी नेपाल महोत्तरीक अध्यक्ष नारद प्रसाद काफ्ले जानकारी देलनि।
‘‘आबू, रमाइलो करू – बर्दिवास केँ हँसीसँ सजाउ’’ – एहि नारासँ आयोजना होमै जा रहल ई कार्यक्रम बर्दिवास नगरवासी लेल मनोरंजनक संग–संग सामाजिक सन्देशक अवसर सेहो बनत – एहेन विश्वास कएल गेल अछि।





































