आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
नेपाल पत्रकार महासंघ मधेश प्रदेश समितिकेँ आब अपन स्थायी भवन बनेबाक सपना साकार होएबाक दिशामे ठोस कदम बढ़ि चुकल अछि। जनकपुरधामक बीचोबीच अवस्थित ४ कठ्ठा जमीन लीज पर भेटला संगे महासंघ भवन निर्माणक तैयारी शुरू केने अछि।
सोमबार काठमांडूमे आयोजित एकटा औपचारिक कार्यक्रममे गुठी संस्थान आ महासंघक बीच सम्झौतापत्र पर हस्ताक्षर भेल। उक्त सम्झौता अनुसार, जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–४ मे अवस्थित श्रीराम मन्दिर गुठीअंतर्गतक चार कठ्ठा जमीन पत्रकार महासंघ केँ लीज पर देल जाएत।
सम्झौतापत्र पर महासंघक पक्ष सँ अध्यक्ष श्याम बन्जारा आ गुठी संस्थानक पक्ष सँ प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत शैलेशराज कुँवर हस्ताक्षर केने छथि। एहि सम्झौतामे महासंघक महासचिव शैलेन्द्र महतो ‘क्रान्ति’ आ गुठीक प्रमुख ईन्जिनियर शालिकग्राम सुवेदी साक्षीक रूपमे उपस्थित छलाह।
एहि अवसर पर महासंघक कार्यवाहक अध्यक्ष दीपक आचार्य, महासचिव रामप्रसाद दहाल, सचिव रमेश खतिवडा, केन्द्रीय लेखा संयोजक केसि लामिछाने, प्रदेश उपाध्यक्ष अम्बिका दाहाल, सचिव हदिस खुदार, सदस्य अजय साह, संगहि प्रेस चौतारी नेपालक महासचिव हिरामान लामा सेहो सहभागी छलाह।
सम्झौता सम्पन्न भेलाक बाद अध्यक्ष श्याम बन्जारा गुठी संस्थानक प्रति आभार प्रकट करैत कहलनि— “ई सहकार्य सँ मधेश प्रदेशमे पत्रकारिता क्षेत्रक संस्थागत विकासक नव द्वार खुलल अछि। आब प्रदेशस्तरीय भवन निर्माणक सपना साकार होएत।”
जनकपुरक संवेदनशील आ केन्द्रिय ठाम अवस्थित ई जमीन पर महासंघ आधुनिक पूर्वाधारयुक्त भवन बनेबाक योजना बना रहल अछि। पत्रकारिताक पेशाक लेल आवश्यक स्रोत, संरचना आ सेवा एके ठाम सँ उपलब्ध करबाक लक्ष्य महासंघ लेने अछि।





































