आज्ञा खबर
काठमांडू
राजेन्द्र महतो केर नेतृत्व मे रहल राष्ट्रीय मुक्ति पार्टी नेपाल अपन केन्द्रीय संरचना सार्वजनिक केने अछि। पार्टीक अन्तरिम विधान–२०८१ केर प्रावधान अनुसार, ३१ सदस्यीय केन्द्रीय पदाधिकारी केँ चयन क’ घोषणा कएल गेल अछि।
गेल फागुन १२ आ १३ गते भेल केन्द्रीय कार्यसमिति बैठक मे पदाधिकारी चयन के निर्णय लेल गेल छल, मुदा तकर औपचारिक घोषणा किछु ढिला भ’ आब कएल गेल अछि।
पार्टीक नेतृत्व संरचना मे ४ गोट वरिष्ठ उपाध्यक्ष, ३ गोट उपाध्यक्ष, ५ गोट महासचिव, ७ गोट सह–महासचिव, ७ गोट सचिव, १ गोट कोषाध्यक्ष, १ गोट सह–कोषाध्यक्ष आ २ गोट प्रवक्ता रहबाक व्यवस्था कैल गेल अछि।
पार्टी नेतृत्व कहलनि जे देशक वर्तमान राजनीतिक परिप्रेक्ष्य केँ ध्यान मे राखिक’ संगठन केँ मजबूत बनेबाक आ वैचारिक एकता केँ सन्देश देबाक उद्देश्य सँ ई संरचनागत घोषणा कैल गेल अछि। निकट भविष्य मे केन्द्रीय समिति, आयोग आ विभाग सभ सेहो क्रमशः सार्वजनिक करबाक तयारी भ’ रहल अछि।





































