अब ऑनलाइन मीडिया के निबंधन सीडीओ के जिम्मा, विभाग प्रक्रिया स्थगित कयलक

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर 
काठमाडौं

अब सँ ऑनलाइन संचार माध्यम के निबंधन आ नविकरण के काज सूचना तथा प्रसारण विभाग सँ नहि, बल्कि प्रमुख जिल्ला अधिकारी (सीडीओ) के कार्यालय द्वारा होयत।

सूचना तथा संचार प्रविधि मन्त्रालय अंतर्गतक सूचना तथा प्रसारण विभाग मंगलदिन सूचना जारी करैत कहलनि जे ऑनलाइन संचार माध्यम केर निबंधन आ नविकरण प्रक्रिया फिलहाल स्थगित कएल गेल अछि। विभाग केर शाखा अधिकृत शान्ती लामा द्वारा जारी सूचनामे कहल गेल अछि जे एखन एहि काज के जिम्मेवारी गृह मन्त्रालय अंतर्गतक स्थानीय अधिकारी, अर्थात् प्रमुख जिल्ला अधिकारी (सीडीओ) के जिम्मा देल गेल अछि।

सरकार ‘छापाखाना तथा प्रकाशन सम्बन्धी ऐन २०४८’ मे धारा ७(ख) जोड़िकए ऑनलाइन संचार माध्यम केर निबंधन आ नविकरण के अधिकार स्थानीय अधिकारी के देलक अछि। एहि सँ पहिने ई ऐन अंतर्गत प्रिन्ट मीडिया (पत्र-पत्रिका) केर निबंधन सीडीओ कार्यालय द्वारा भऽ रहल छल। आब ओही प्रक्रिया ऑनलाइन मीडिया पर सेहो लागू होयत।

नव व्यवस्था अनुसार, संचार माध्यम के संचालक केँ अपन जिला के प्रशासन कार्यालय मे गैलाक बाद अपन ऑनलाइन मीडिया के निबंधन आ नविकरण करबाक हेत। सरकार के अपेक्षा अछि जे एहि नव व्यवस्था सँ ऑनलाइन संचार माध्यम केर प्रशासनिक प्रक्रिया जिला स्तर पर सहज आ सरल बनत।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...