धार्मिक पर्यटन सँ बदलत मधेश के रुप : मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंह

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिबास

मधेश प्रदेश के मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंह कहलनि जे धार्मिक पर्यटन प्रदेश के समृद्धिक एक महत्वपूर्ण आधार बनि सकैत अछि। सावनक सोमवारी विशेष अवसर पर महोत्तरी जिलाक बर्दिबास–५ स्थित टुटेश्वरनाथ महादेवक दर्शन क’ बाद ओ कहलनि जे मधेशक धार्मिक स्थल सभक संरक्षण आ प्रवर्द्धन सँ आर्थिक विकास में गति अबैत।

“कोशी सँ ल’ क’ ठोरी धरि फैलल धार्मिक, सांस्कृतिक आ ऐतिहासिक स्थल सभ हमर पहिचान छी,” मुख्यमन्त्री सिंह कहलनि, “एहि स्थल सभक संरक्षण, पूर्वाधार निर्माण आ प्रचार-प्रसार क’ माध्यम सँ धार्मिक पर्यटन कृषि के बाद आम्दानी के मुख्य स्रोत बनि सकैत अछि।”

मुख्यमन्त्री सिंह टुटेश्वरनाथ महादेव, पञ्चधुरा माईस्थान आ राइमण्डलधाम जेकाँ स्थल सभ के प्राकृतिक आ भौगोलिक दृष्टि सँ बहुत आकर्षक बतौलनि। चुरे पर्वतक काख में अवस्थित ई स्थल सभ मध्यक्षेत्रक बन क्षेत्र में अबैत अछि, जाहि कारण ई पर्यावरणक दृष्टिकोण सँ सेहो महत्वपूर्ण मानल जाइत अछि।

ओ कहलनि जे प्रदेश सरकार आब धार्मिक आ प्राकृतिक सम्पदाक प्रवर्द्धन लेल स्थानीय सरकार सभ संग मिलिक’ आगाँ बढ़त। “स्थानीय तह संग सहयोग क’ पर्यटन विकास क’ रणनीति ल’ क’ काज कैल जा रहल अछि,” ओ स्पष्ट रूप सँ कहलनि।

दर्शन के क्रम में मुख्यमन्त्री सिंह ओहि क्षेत्र सभ में बनि रहल पूर्वाधार परियोजनाक स्थल निरीक्षण सेहो केलनि। एहि अवसर पर बर्दिबास नगरपालिकाक जनप्रतिनिधि, नगरपालिकाक संस्कृति आ पर्यटन प्रवर्द्धन समितिक सदस्य आ नेपाल होटल तथा पर्यटन व्यवसायी महासंघक प्रतिनिधि सभ पर्यटन प्रवर्द्धन में आर बेसी सक्रियता जरुरी छैक, एही पर हुनकर ध्यान आकृष्ट करौलनि।

स्थानीय तह आ निजी क्षेत्रक सहभागिता सँ धार्मिक पर्यटन के आयाम आर व्यापक बनेबाक उम्मीद कएल जा रहल अछि। टुटेश्वरनाथ, पञ्चधुरा आ राइमण्डलधाम जेकाँ स्थल सभक व्यवस्थित विकास सँ मधेश प्रदेशक संपूर्ण पर्यटन नक्शा में परिवर्तन आनबाक संभावना पर प्रदेश सरकार आशावान देखाइत अछि

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...