लालबन्दी सँ गाँजासहित युवक पकड़ायल, एक गोटे भागल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सर्लाही
चुरे क्षेत्र अंतर्गत लालबन्दी नगरपालिका–१५ स्थित बोहोरे डाँड़ासँ पुलिस बड़ पैघ मात्रामे लागूपदार्थ गाँजासहित एक गोटे युवकके पकड़ने अछि। ओही घटना में संलग्न दोसर व्यक्ति भाग जाय में सफल भेल अछि।

इलाका प्रहरी कार्यालय लालबन्दीके अनुसार, पकड़ायल युवक लालबन्दी नगरपालिका–१४, नारायणखोलाके २१ वर्षीय संजीव घिसिङ छथि। ओ बागमती प्रदेश ०२–०३२ प ५७१२ नंबरके मोटरसाइकल चला रहल छलाह, जखन पुलिसक टीम हुनका नियन्त्रणमे लेलक। मोटरसाइकल पर पछुआरि सवार दोसर व्यक्ति पुलिस देखिते भाग गेलाह।

पुलिस निरीक्षक वीरेन्द्रसिंह जोहारीक अनुसार, घिसिङक झोलामे सँ ५ किलो ३३० ग्राम गाँजा बरामद भेल अछि। फरार व्यक्ति केर खोजबीन जारी अछि आ घटनाक सम्बन्धमे आगू आर अनुसन्धान भ’ रहल अछि।

चुरे क्षेत्रक दुर्गम इलाकासँ लागूपदार्थ ओसारपसार करबाक क्रम बढ़ैत देखिक’ पुलिस अपन निगरानी कड़ा केने अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...