डिप बोरिङक पानी सँ उज्जर भविष्यक आशा : बर्दिवास–७ मे ग्रामीण पुनर्जागरणक नव संकेत

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास

“अब खेत सुन्न पड़तै नै, पानीक लेल आकाश दिस ताकै बला दिन चलि गेल,” – बर्दिवास–७ क कृषक विष्णु महतो केर चेहरा पर नव आशाक चमक देखाए पड़ैत छल।

वर्षों सँ चलि रहल प्यास, अभाव आ प्रतीक्षाक बीच, आइतवारक दिन बर्दिवास–७ मे सिंचाई आ पीबाक पानीक लेल डिप बोरिङक उद्घाटन भेलाक बाद ओहन किसानक चेहरा पर खुशी देखल गेल। नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्रीक प्रमुख आतिथ्य मे सम्पन्न भेल उद्घाटन समारोह ई परियोजनाक सिर्फ विकास कार्य नै, बल्कि बर्दिवासक धरती पर पुनः उत्पादनक गूँज सुनाबै बला आरम्भक संकेत बनि गेल।

१६० मीटर गहिरा ई डिप बोरिङ सँ लगभग २५ बीघा जमीन मे सिंचाई संभव होएत, एहेन तकनीकी अनुमान अछि। अतीत मे सिंचाईक अभावक कारण दुइ बेर फसल लगौनाय संभव नै भेल किसान आब एक साल मे तीन बेर फसलक उत्पादनक संभावना देखैत छथि। “अब खेत मे पानी अबैते, हमर पसीनाको मूल्य बढ़त,” – विष्णु महतो उत्साहपूर्वक कहला।

नगर प्रमुख क्षेत्री उद्घाटन समारोह मे स्पष्ट रूप सँ कहला, “हम लोकनिक आवश्यकता बुझि कऽ, वास्तविक समस्याक पहिचान कऽ कऽ आगाँ बढ़ि रहल छी। पीबाक पानी आ सिंचाई नगरपालिकाक सदिखन प्राथमिकता मे अछि।”

ई योजना केर संरचना नगरपालिका द्वारा बनायल गेल अछि, संगहि स्थानीय बासिन्दा सभ श्रमदान आ व्यवस्थापन मे सहयोग केलनि। एहेन सहभागितासँ विकास कार्य मे अपनत्वक भावना जागल अछि।

विशेष रूप सँ महिला आ बच्चा – जे किछु समय पूर्व धरि भोर संझा टा घर सँ दूर पीबैक पानी लऽ अबै लेल विवश छलाह – आब घर लग पीबैक पानी भेटलासँ राहत पएलनि। “अब दिनक २–३ घंटा समय बचत होइत अछि, जे हम घरक काज, साक्षरता कक्षा वा दोसर आमदनीक काज मे लगाइ सकैत छी,” – स्थानीय महिला सभ कहलनि।

मितलाल महतोक नजरि मे ई डिप बोरिङ केवल पीबैक पानी नै, आत्मनिर्भरता कऽ द्वार खोललक अछि। “ई आत्मसम्मान जगौलक,” – ओ जोड़ि कऽ कहलनि।

डिप बोरिङक सफलता सिर्फ वार्डस्तरीय राहत नै, बल्कि समग्र नगरपालिकाक विकासक गति थिक। नगर प्रमुख क्षेत्री उद्घाटनक बाद संचारकर्मी सभ सँ कहलनि, “हम सभ हरेक वाड मे आवश्यकता अनुसार एहेन संरचनाक विस्तार कऽ रहल छी। आब धरि १०० सँ बेसी एहेन संरचना बनि चुकल अछि।”

ई प्रयास लोक मे ई विश्वास देलक जे “सरकार हमरे संगे अछि।” स्थानीय सरकारक सक्रियता आ जनसहभागिताक बलसँ बर्दिवास मे विकास आब केवल सपना नै, बल्कि महसूस होमै बला यथार्थ बनि गेल अछि।

बर्दिवास–७ मे जखन पानी बहै लागल, त विश्वासो बहै लागल। गामक लोकक आँखि मे आब सिर्फ पानी नै, बल्कि उज्जर भविष्यक झलक अछि। सिंचाई सँ उपज बढ़त, पानी सँ स्वास्थ्य सुधरत, आ ई तंत्र आत्मनिर्भरता निर्माण करत।

बर्दिवास–७ क किसाननगर मे भेल डिप बोरिङक उद्घाटन केवल एकटा औपचारिकता नै छल – ई बर्दिवासक खेत-खलिहान, गागरी-गागरी मे भरल पीड़ाक जबाव छल।

अंततः, ई आयोजन ई देखौलक – जखन स्थानीय सरकार इच्छाशक्ति, योजना आ सहभागिताक संग आगू बढ़ैत अछि, तखन सिर्फ पानी नै, बल्कि सपना सेहो बहै लगैत अछि।


  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...