आज्ञा खबर
बर्दिवास
‘लागू औषधक विरुद्ध हमर चाहना, स्वस्थ आ सुरक्षित समाजक कामना’—एहि नाराक संग बर्दिवासमे अवस्थित लागू औषध नियन्त्रण ब्युरो शाखा कार्यालय आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे उल्लेखनीय सफलता प्राप्त केलक अछि। ब्युरो धनुषा, महोत्तरी, सर्लाही, रौतहट आ सिन्धुली जिला मे निगरानी आ अपरेसन मार्फत करोड़ौं मूल्य केर विभिन्न प्रकारक लागूपदार्थ संग दर्जनों अभियुक्त केँ गिरफ्तार केलक अछि।
खैरो हिरोइन बरामद
ब्युरोक तथ्यांक अनुसार, प्रहरी टोली द्वारा ५४९.८५ ग्राम खैरो हिरोइन बरामद कैल गेल अछि। एही मामिला मे ३५ पुरुष, २ महिला आ २ विदेशी नागरिक केँ गिरफ्तार कएल गेल अछि। अभियुक्त सभक संग ४ टा मोटरसाइकल आ २ टा एम्बुलेन्स सेहो नियन्त्रण मे लेल गेल अछि। बरामद हिरोइनक अनुमानित बजार मूल्य करीब ४६ लाख ७३ हजार टका अछि।
गांजा आ चरस नियन्त्रण
ब्युरो १५.९४ क्विन्टल गांजा आ चरस बरामद केलक अछि। एही कारवाई मे ६ पुरुष केँ गिरफ्तार कैल गेल अछि, संगहि ३ टा मिनी ट्रक आ ३ टा जीप/कार सेहो बरामद कैल गेल अछि। बरामद पदार्थक अनुमानित बजार मूल्य १ करोड़ ९९ लाख टका अछि।
नियन्त्रित औषधिजन्य एम्पुल
ब्युरो ३,१४४ टा नियन्त्रित औषधिजन्य एम्पुल बरामद केलक अछि। एहि मामिला मे २ पुरुष गिरफ्तार कएल गेल अछि, संगहि १ टा मोटरसाइकल सेहो नियन्त्रण मे लेल गेल अछि। बरामद एम्पुलक बजार मूल्य करीब १२ लाख ५७ हजार टका बताओल गेल अछि।
नाइट्रोभेट ट्याब्लेट
प्रहरीक सर्च अपरेसन सं ४,७९३ पीस नाइट्रोभेट ट्याब्लेट बरामद कैल गेल अछि। एही मामिला मे संलग्न २ पुरुष केँ गिरफ्तार कएल गेल अछि आ २ टा मोटरसाइकल सेहो जब्त कएल गेल अछि। ट्याब्लेटक बजार मूल्य १२ लाख ८० हजार टका अछि।
कोडिन मिश्रित सिरफ
ब्युरो ३६४ बोतल कोडिन मिश्रित सिरफ बरामद केलक अछि। एही कारवाई मे संलग्न ३ पुरुष केँ गिरफ्तार कएल गेल अछि, संगहि २ टा मोटरसाइकल सेहो नियन्त्रण मे लेल गेल अछि। सिरफक बजार मूल्य २ लाख ७३ हजार टका अछि।
ईनफेड्रिन बरामद
ब्युरो ८५४ ग्राम ईनफेड्रिन नामक लागूपदार्थ बरामद केलक अछि। एही मामिला मे ३ महिला आ २ पुरुष केँ गिरफ्तार कएल गेल अछि। बरामद ईनफेड्रिनक बजार मूल्य ६८ लाख ३२ हजार टका बताओल गेल अछि।
ब्युरोक बर्दिवास शाखाक प्रमुख, प्रहरी नायब निरीक्षक सरोज अधिकारी कहलनि जे तीव्र निगरानी, गुप्त सूचना संकलन आ सामुदायिक सहयोगक माध्यम सं एतेक पैघ सफलता सम्भव भेल अछि।
ओ कहलनि— “लागूपदार्थक कारोबार विरुद्धक अभियान आरो कड़ाई सं आगाँ बढ़ाओल जाएत। समाज केँ सुरक्षित बनेबाक लेल प्रहरी, नागरिक समाज आ सरोकारवाला निकायक बीच सशक्त समन्वय आवश्यक अछि।”
ब्युरोक ई सक्रियता लागूपदार्थक विरुद्ध चलाओल जा रहल संघर्ष मे एकटा महत्वपूर्ण कदम मानल जा रहल अछि। प्रहरी प्रशासनक प्रयास संग-संग समाजक सहयोग आ जनचेतनासँ मात्र ई दीर्घकालीन समस्याक समाधान सम्भव भ’ सकैत अछि।





































