सिरहाक आमचोकमे ८० बरखक वृद्धके धारदार हथियार सऽ कएल गेल हत्या, स्थानीय लोक आक्रोशित

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सिरहा

धनगढीमाई नगरपालिका–११ आमचोकमे ८० वर्षीय फनिलाल यादवके शंकास्पद तरिकासँ हत्या भऽ गेल अछि। ओ अपनहि घरमे सुतल अवस्थामे रहथि, जतऽ हुनकर टाउको पर धारदार हथियारसँ प्रहार कएल गेल छल, ई बाति पुलिस आ परिवारक स्रोतसँ जनाओल गेल अछि।

मंगलदिन रातिक समयमे अज्ञात समूहक हमलामे यादव पड़लथि। ओ भोर धरि नउठला पर परिवारजन खोजबिन करए गेलाह, तखन ओ अपन ओछैनमे रगतसँ लथपथ अवस्था मे भेटलाह। “बाबू भोर धरि नउठलथि तऽ हम सब खोजए गेलहुँ, ओ ओछैनमे रगतामे लिप्त अवस्था मे भेटलाह,” मृतकक पुत्र कपिलदेव यादव कहलनि।

गम्भीर रूप सँ घाइते अवस्थामे यादवके तुरन्त लहान स्थित प्रादेशिक अस्पताल लऽ जाइत गेल छल, मुदा चिकित्सक सभ हुनकर जान नै बचा सकलाह। उपचारक क्रममे हुनकर मृत्यु भऽ गेल, ई बात जिला प्रहरी कार्यालय सिरहाक प्रहरी नायब उपरीक्षक (डीएसपी) बीरेन्द्रकुमार पासवान जनौलनि।

घटनाक बाद पुलिस समय पर नहि पहुँचबाक कारण स्थानीय लोक आक्रोशित भऽ गेलाह। ओ लोकनि पूर्व–पश्चिम राजमार्गके अबरुद्ध कऽ टायर जरबैत विरोध प्रदर्शन केलाह। लगभग एक घंटा धरि सवारी–साधन ठप्प रहल।

डीएसपी पासवानक अनुसार प्रारम्भिक जाँचमे इ संभावना देखायल अछि जे घटना पारिवारिक विवाद वा पुरान किछु झगड़ाक पृष्ठभूमिमे घटल होएत। “हत्याक घटना पर तिव्रतासँ जाँच चलि रहल अछि,” पासवान कहलनि, “दोषीक पत्ता लगिते कानूनी प्रक्रिया अपनाओल जाएत।”

स्थानीय लोक सुरक्षा सुनिश्चित करबाक आ हत्याराकेँ शीघ्र गिरफ्तार करबाक मांग केने छथि। एहि घटनासँ क्षेत्रक शान्ति आ सुरक्षा पर गंभीर सवाल उठल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...