बीमा चेक स आँख रसाएल श्रीकुमार सदा कहैत छथि— “संग देनिहार सरकार छै”

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर,
बर्दिबास, महोत्तरी।

“एक लाख टाका? ई त सपना जेकाँ लागत छल,” कहैत छलाह श्रीकुमार सदा। मुसहर समुदाय मे जन्मल सदा जेकाँ लोक सभ लेल ई बात केवल भावना नहि, साँच रहए। मुदा आब ई सपना केवल कल्पना नहि रहल—ओ चेक बनिकऽ हुनकर हाथ धरि पहुँच चुकल अछि।

बर्दिबास–१४ स्थित एकीकृत नमूना मुसहर बस्ती मे रहनिहार श्रीकुमार सदाक पत्नी सबिना कुमारी सदा गेल असार ७ गते निधन भऽ गेलथि। पेटक गंभीर समस्या स ३६ वर्षीया सबिनाक मृत्यु भेल। आर्थिक रूप स कमजोर मुसहर परिवार लेल ई केवल मानवीय क्षति नहि, आर्थिक भारो छल। मुदा तकर बाद नगरपालिका स भेटल एक लाख टाकाक बीमा चेक श्रीकुमारक आँखि मे आँसू आनि देलक—शोकक नहि, राहत आ भरोसाक।

बर्दिबास नगरपालिकाक अगुआई मे सुरु भेल नेपालक पहिल मुसहर लक्षित सामूहिक जीवन बीमा योजनासँ यते जल्दी एतेक गहिर प्रभाव पड़त, ई सोचबो कठिन छल। ‘लिबर्टी लाइफ इन्स्योरेन्स’क साझेदारी मे संचालन होइत ई योजनाक अंतर्गत बीमा दाबी प्रक्रिया एक मास मे पूरा भऽ श्रीकुमार सदा केँ भुक्तानी कएल गेल।

नगरप्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री आ प्रवक्ता विजयकुमार महतो केर हस्ते बीमा रकमक चेक ग्रहण करैत श्रीकुमार चुप्प रहलाह। मुदा बस्तीमे रहनिहार वृद्धा मानकी सदा कहलीह—“एहन बात त हम सभ पहिने कहिया देखलहुँ? आब नवका पीढ़ी बुझत।”

मुसहर लेल पहिल बेर व्यवहार मे लागू भेल बीमा

सामाजिक सूचकांक मे सबसँ नीचाँ रहल मुसहर समुदाय लेल बर्दिबास नगरपालिकाक २०८० सालक चैत स सुरु भेल ई बीमा योजना ऐतिहासिक मानल जा रहल अछि। १८ स ५९ वर्ष धरि कऽ सभ मुसहर नागरिकक तीन वर्षक प्रिमियम नगरपालिका स्वयं देलक।

‘लिबर्टी लाइफ इन्स्योरेन्स’क मधेश प्रदेश प्रबन्धक रविन्द्र कुमार मिश्र कहलनि—“बीमा दाबी केँ जल्दी स जल्दी प्रक्रिया मे लाबऽ हमर प्रयास छल। हम चाहैत छलहुँ जे मुसहर समुदाय बीमाक अनुभव केवल कागज पर नहि, व्यवहार मे करए।”

केवल बीमा नहि, सामाजिक बदलाव दिस सेहो पहिल

नगरप्रमुख क्षेत्री बीमा संग-संग सामाजिक परिवर्तनक दोसर अभियान सेहो घोषित कएलनि। २० वर्षक उमेर पार कऽ विवाह करनिहार मुसहर जोड़ी केँ ५० हजार टाका प्रोत्साहनस्वरूप देल जायत। वडाध्यक्ष विजयकुमार महतो अनुसार ई योजना २०८० चैत ५ स लागू भऽ गेल अछि।

“बिहाक उमेर आ जिम्मेवारी प्रति चेतना देबक उद्देश्य स ई योजना बनाओल गेल अछि,” महतो कहलनि।

चेतनाक उजास फइल रहल अछि

भङ्गाहा–३ क सिमल सदा कहलनि—“हमर पिछड़बाक मुख्य कारण अशिक्षा छी। आब ई योजनासँ चेतना आयत।” ओ आगू कहैत छथि—“आब हम सभ केँ शिक्षा पर जोर देबाक जरूरत अछि। स्थानीय सरकारक साथ आ सक्रियता जरूरी अछि।”

राष्ट्रिय जनगणना २०७८ अनुसार महोत्तरी जिलामे २७ हजार ३५२ मुसहर बसोबास करैत छथि। १५ गोट स्थानीय तहमे फैलल ई समुदायमे माध्यमिक तह धरि पढ़ाई पूरा करनिहार सभक संख्या गिनती भरि अछि।

छोट चेक, पैघ असर

श्रीकुमार सदा आबो शोकमे छथि, मुदा ओ एखन केवल अपन परिवार लेल नहि, समस्त समुदाय लेल आशाक प्रतीक बनि गेल छथि। बीमा योजनासँ पहिल बेर लाभ पाएबाला व्यक्ति कऽ रूपमे ओ मुसहर समुदायमे बीमा केर उपयोगिता आ संभावना कऽ जिअत उदाहरण बनि गेल छथि।

समाजक अति पिछड़ल वर्ग केँ सम्मानपूर्वक आगाँ आनबाक लेल बर्दिबास नगरपालिकाक ई कदम नीति निर्माणकर्तासभक सोच बदलबा लेल विवश कऽ रहल अछि—वास्तवमे समावेशी आ प्रभावकारी योजनासभ एहन होबाक चाही।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...