आज्ञा खबर
जनकपुरधाम
जनकपुरधाम मे विरोध प्रदर्शन आ ज्ञापनपत्र सौंपबाक परंपरा कोनो नव बात नै अछि, मुदा ए बेरक प्रदर्शन के ढंग सभक ध्यान आकर्षित क’ लेलक। चुरे आ बन-जंगल संरक्षण अभियान के संयोजक सुनिल यादव मंगलदिन अपन माँग सब एकटा अलग तरीका सँ रखलनि — आँखि पर कालोपट्टी बाँधिकऽ नगर परिक्रमा करैत प्रदेश सरकार के ७ बुँदी ज्ञापनपत्र सौंपलनि।
सुनिल यादव जनक चौक, भानु चौक, मिल्स एरिया होइत मुख्यमंत्री तथा मन्त्रिपरिषद्क कार्यालय धरि आँखि पर पट्टी बाँधिके पैदल यात्रा केलनि। हुनकर ई प्रतीकात्मक प्रदर्शन प्रदेश सरकार के निष्क्रियता आ दृष्टिविहीन निर्णय सभक विरोध मे छल।
मुख्यमंत्री तथा मन्त्रिपरिषद्क कार्यालय पर पहुँचिकऽ यादव उपसचिव वासुदेव मल्ल केँ ज्ञापनपत्र सौंपलनि। ज्ञापनपत्र मे हाल संसद मे पेश भेल भूमि व्यवस्था ऐन केँ तुरंत फिर्ता लेबाक माँग कएल गेल अछि। अभियान के अनुसार, ई ऐन सँ भू-माफिया के पहुँच बन क्षेत्र तक बढ़बाक खतरा बनि रहल अछि।
ओतबे नै, यादव ईहो कहलनि जे प्रदेश केँ जल-संकटग्रस्त क्षेत्र घोषित कैल गेलाक बादो किसान सब राहत सँ बंचित अछि, तेँ तत्काल राहत आ क्षतिपूर्ति के व्यवस्था होबऽ चाही। ज्ञापनपत्र मे अल्पकालीन, मध्यमकालीन आ दीर्घकालीन पेयजल योजना के सुनिश्चित करि तत्काल कार्यान्वयन मे आनबाक बात कहल गेल अछि।
यादव कहलनि — “प्राकृतिक स्रोत आ बन-जंगल केर विनाश सँ हम सब अपन भविष्य गँवा रहल छी। ई आँखि पर पट्टी बाँधिकऽ कैल गेल प्रदर्शन सरकार के आँखि खोलय — एहेन आशा राखैत छी।”
चुरे क्षेत्र के संरक्षण आ जल-संकट केर समाधान लेल यादव के नेतृत्व मे पहिले सेहो विभिन्न दबावमूलक कार्यक्रम संचालन भऽ चुकल अछि। मुदा ए बेर के प्रदर्शन शैली आंदोलन केँ प्रतीकात्मक आ जनचेतनापरक बना देलक — एहन बात स्थानीय लोकनिक कहब अछि।





































