जनकपुरमे खुकुरी स वार – एक बच्ची के मृत्यु, माय आ भतिजी गम्भीर रूप स घायल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर,
जनकपुरधाम

जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–४ मे सोमबार राति भेल एक भयावह खुकुरी प्रहारक घटनामे एक किशोरी के मृत्यु भऽ गेल अछि आ दुई महिला गम्भीर रूप स घायल भेली।

कटैयाचौरी नजिक एक घरमे डेरा लऽ कऽ रहल १४ वर्षीया अञ्चली यादव केँ घटनास्थल परहे मृत्यु भऽ गेल। ओ धनुषा जिलाक बटेश्वर गाउँपालिका–५ शान्तिपुर गामक स्थायी निवासी छली। अपन माय संगे जनकपुरमे डेरा कऽ पढ़ाइ करऽ रहल अञ्चली पर धारदार हतियार स हमला कएल गेल।

घटनामे अञ्चलीक माय ३६ वर्षीया आशा यादव आ आशाक भतिजी १५ वर्षीया राधा यादव गम्भीर रूप स घायल भेल छथिन। दुनूकेँ तुरन्त प्रादेशिक अस्पताल जनकपुरमे भरती कराओल गेल अछि।

धनुषा पुलिसक अनुसार, ई हमला क्षीरेश्वरनाथ नगरपालिका–९ इच्छापुर निवासी ३५ वर्षीया रामबाबु साह कएलथिन। ओ आशा आ हुनकर परिवार पर, जे एकतल्ला पक्की घरमे डेरा कऽ रहल छल, खुकुरी स प्रहार केलथिन।

पुलिसक जाँच अनुसार, साह पहिने अपने पत्नी केर हत्या केर आरोपमे जेलमे सजाय काटि चुकल छथि। ओ अञ्चली केँ माथ आ शरीरक कतेको हिस्सा पर, राधा केँ दाहिना घुँटा आ हाथ पर गहिरा चोट पहुँचलथिन, आ आशा यादव के माथ आ शरीर पर गम्भीर घाव भेल अछि।

सुरक्षा अधिकारी सभ कहलनि जे ई घटना पूर्वनियोजित छल वा मानसिक असंतुलन केर कारण भेल, से लऽ कऽ जाँच आगू बढ़ाओल जा रहल अछि। मधेस प्रदेश पुलिस प्रमुख उमा चतुर्वेदी कहलनि जे घटना बहुत गंभीर अछि आ दोषीक खोज जोर स कएल जा रहल अछि।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...