आज्ञा खबर
सर्लाही
सर्लाही जिला कऽ मलंगवा स्थित भंसार कार्यालय परिसर मॅं बरसों सॅं थन्कायल बरामद सवारीसाधन सब अब खुल्ला आकाश क’ निच्चा सड़ि–गेल, नष्ट होए बला अवस्था मॅं पहुंच चुकल अछि। सुरक्षा निकाय सभ सॅं विभिन्ने समय पर जब्त कायल गेल दुइ पाङ्ग्रा आ चार पाङ्ग्रा गाड़ी सब के समय पर लिलामी प्रक्रिया नचलै सॅं ओ सभ आब प्रयोग लायक नै रहल।
भंसार परिसर मॅं रहल ई सवारी सब पर खिया लागि गेल अछि, गाड़ी सभ झाड़ी सॅं ढँकल जा रहल अछि। देखै मॅं साफ बुझा रहल अछि जे ई सब गाड़ी सॅं राज्य करोड़ोंक राजस्व उठाबि सकै छल, मुदा अब ओ राजस्व खेर जा रहल अछि।
स्थानीय निवासी श्यामकुमार साह कहलखिन, “जखन पहिल बेर गाड़ी सब बरामद भेल छल, तखन ओ सब ठीक-ठाक हालत मॅं छल। मुदा भंसार कार्यालय क’ बेवास्ता सॅं आब ओ सब कबाड़ मॅं बदलि गेल। यदि समय पर लिलामी कायल गेल रहितै, त राज्य क’ आय भेल रहितै। आब त उल्टे घाटा भ’ रहल अछि।”
चोरी, नकली नम्बर प्लेट, अवैध सामान ढुलाई आ ओहिमे संलग्न सवारीसाधन सब के सुरक्षा निकाय जब्त क’ भंसार कार्यालय मॅं सुपुर्द करैत अछि। भंसार प्रशासन अनुसार, अधिकांश गाड़ी भारत सॅं अबैत अछि।
सर्लाही भंसार कार्यालय क’ प्रमुख ठाकुर आचार्य कहलखिन जे आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मॅं तीन बेर लिलामी प्रक्रिया शुरू कायल गेल, मुदा विभिन्न कारण सॅं सफल नै भऽ सकल। “अब त ई सवारीसाधन सब के जोगा क’ रखबाक लेल सुरक्षित सेड बनेबाक अवस्था आबि गेल अछि। एही बरख ताहि लेल बजेट मागल गेल अछि,” प्रमुख भंसार अधिकृत आचार्य जनौलनि।
मुदा स्थानीय लोकनिक गुनासो अलग अछि। ओ सभ कहैत छथि—लिलामी लेल न त भंसार कार्यालय क’ समुचित चासो देखाइत अछि, न पारदर्शी आ प्रभावकारी प्रक्रिया। एहन अवस्था मॅं राज्य क’ सम्पत्ति नुकसान मॅं जा रहल अछि, मुदा भंसार प्रशासन ओहिपर गम्भीर नै देखाइत अछि।
भंसार परिसर मॅं थन्कायल बहुत गाड़ी सब एहन छथि जे अदालत सॅं अंतिम निर्णय नै अएलाक कारण रुकल अछि, मुदा बहुसंख्य गाड़ी कानूनी प्रक्रिया सॅं निस्कर्ष पर पहुँचि गेल अछि। तइयो ओ सब लिलामी प्रक्रिया क’ पर्खाइ मॅं अछि।
विश्लेषक लोकनि कहैत छथि—जँ प्रशासन समय पर पहल करत, त राजस्व प्रणाली राहत पाबी सकैछ। मुदा जे निष्क्रियता आ समन्वयहीनता आब देखाइत अछि, ओ सॅं राज्य क’ सम्पत्ति खुदे नष्ट भ’ रहल अछि।





































