विद्यालयमे स्मृति सहयोगः देउरालीमे परियार परिवार द्वारा नल लगाओल गेल

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
सर्लाही

सर्लाही जिला के लालबन्दी नगरपालिका–१५, देउराली स्थित सिद्धेश्वर प्राथमिक विद्यालयमे आब नियमित पिएवाला पानीके व्यवस्था होय बला छै।

एहि विद्यालयके एक महत्वपूर्ण आवश्यकता पूरा करैत, स्थानीय परियार परिवार अपन दिवंगत माता-पिता के स्मृति मे विद्यालयके एकटा नल (धारा) दान केलक। भक्तबहादुर परियार आ बच्चीमाया परियार के स्मृति मे हुनकर सुपुत्र छत्रबहादुर परियार आ रामहरी परियार संग हुनकर बहुरानी कमला परियार के संयुक्त पहलसँ ई सहयोग देल गेल।

शनिवार भोरुका विद्यालय परिसरमे आयोजित एक छोट कार्यक्रममे प्रधानाध्यापक बलराम कार्की आ विद्यालय व्यवस्थापन समितिक अध्यक्ष चन्द्रबहादुर राय केँ नल जड़बाक लेल आवश्यक सामग्री आ एकटा डस्टबिन हस्तान्तरण कैल गेल।

सहयोग हस्तान्तरण कार्यक्रममे लालबन्दी–१५ केर पूर्व वडा सदस्य कृष्णराज थोकर, समाजसेवी भीमबहादुर कार्की सहित आरो कतेको स्थानीय लोकनिक उपस्थिति रहल।

नल जड़ाए के बाद विद्यालयमे पिएवाला पानी आ सफाई व्यवस्था सहज होयत से आशा प्रकट कैल गेल। सहयोग देनिहार परियार परिवार कहलनि जे ओ लोकनि भविष्यमे सेहो शिक्षा क्षेत्रमे योगदान देबय लेल तत्पर छथि।

विद्यालय प्रशासन ई सहयोगके एकटा प्रेरणास्पद सामाजिक योगदान बतबैत परियार परिवार प्रति आभार प्रकट केलक।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...