बर्दिवास मे सि.ई.डि.ए.डब्लु महासंधि केर जेनरल रिकमेन्डेशन ३९ सँ संबंधित दुइ दिनक प्रशिक्षण प्रारंभ

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिवास

महिला सभ विरुद्ध होमय वला सभ प्रकारक भेदभावक अन्त करय लेल बनल महासंधि सि.ई.डि.ए.डब्लु (CEDAW) केर अंतर्गत आदिवासी जनजाति महिला आ किशोरीक अधिकार सं संबंधित जेनरल रिकमेन्डेशन नम्बर ३९ पर आधारित दुइ दिनक प्रशिक्षण महोत्तरी जिलाक बर्दिवास मे शनिदिन सँ प्रारंभ भेल अछि।

बर्दिवास–१ स्थित नमोबुद्ध होटल केर सभागार मे आरंभ भेल प्रशिक्षणक उद्घाटन बर्दिवास नगरपालिकाक नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री केलनि। ओ कहलनि जे महिला अधिकार, विशेष रूप सँ आदिवासी जनजाति महिला आ किशोरीक हक सुनिश्चित करबाक लेल एहेन प्रशिक्षण आवश्यक अछि। हुनकर कथन अनुसार, “संविधान जे समानता आ समान अवसर देबाक गारंटी करैत अछि, से व्यवहार मे उतारबाक लेल एहेन जागरूकता कार्यक्रम प्रभावकारी भऽ सकैत अछि।”

ई प्रशिक्षण राष्ट्रिय आदिवासी जनजाति महिला महासंघ केर आयोजन, मधेश प्रदेश समन्वय समिति केर समन्वय आ ओमेन काइन्ड संस्था केर सहयोग सँ संचालित कैल जा रहल अछि।

कार्यक्रम मे सुमित्रा महर्जन, सुमित्रा ताजपुरीया, एसुकान्ति भट्टचन आ मुना मेचे सहजीकरण कऽ रहल छथि। ओ सभ महासंधि केर विधिक पक्ष, जेनरल रिकमेन्डेशन ३९ केर औचित्य, आदिवासी जनजाति महिला आ किशोरी सभ द्वारा अनुभव कैल जा रहल संरचनात्मक भेदभाव, आ स्थानीय स्तर पर नीति निर्माण मे पहुँचक कमी जेकाँ विषय पर सहभागी सभ संग गहिर चर्चा करताह।

प्रशिक्षण मे महोत्तरी जिलाक विभिन्न स्थानीय तह सँ अबल आदिवासी जनजाति महिला, किशोरी आ अधिकारकर्मी सभ भाग लऽ रहल छथि। आयोजक सभक कहब छनि जे सहभागी लोकनिकेँ सि.ई.डि.ए.डब्लु महासंधिक ऐतिहासिक पृष्ठभूमि, अंतरराष्ट्रीय अभ्यास, आ नेपाल मे एकर कार्यान्वयनक स्थिति के विषय मे सेहो जानकारी देल जायत।

कार्यक्रमक उद्देश्य सहभागी सभ मे अपन अधिकार संबंधी स्पष्ट समझ उत्पन्न करब आ ओ सभकेँ अपन समुदाय मे जागरूकता फैलाबय मे सक्षम बनेबाक अछि।

ई दुइ दिनक प्रशिक्षण आइतबार दिन समापन हेत।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...