आज्ञा खबर
सर्लाही
सर्लाही जिलामे सवारी दुर्घटनासँ होइ बला मृत्यु दरमे उल्लेखनीय कमी देखल गेल अछि। जिला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय सर्लाही द्वारा जारी कएल गेल ताजातरीन आँकड़िक अनुसार, आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे सवारी दुर्घटनासँ मृत्युक संख्या २३ प्रतिशत घटल अछि।
२०७८/८१ मे जतय ७३ गोटे लोक अपन प्राण गमेलथिन, ओहि ठाम २०८१/८२ मे मृत्युक संख्या घटिकए ५६ भऽ गेल अछि। मृत्यु दर घटबाक बाबजूद, घाइतेक संख्या अभीयो चिंता जनक बनल अछि। पछिला आर्थिक वर्षमे १,०३७ टा दुर्घटनामे ५०१ गोटे गम्भीर आ १,१८० गोटे सामान्य घाइते भेल छथि। एकर पहिने कऽ वर्षमे ६१४ गोटे गम्भीर आ ५०४ गोटे सामान्य घाइते भेल रहथि।
जिला ट्राफिक प्रहरी प्रमुख रजोश घिमिरेक अनुसार, सवारी दुर्घटना कम करबाक लेल कार्यालय द्वारा विभिन्न उपाय सब सक्रिय रूपमे लागु कएल गेल अछि। ओहि मे नियमित जाँच, ओभरलोड वाहन पर कारवाई, आ यान्त्रिक परीक्षण सहित चेतनामूलक कार्यक्रम प्रमुख अछि।
“हमरा लोकनिक ध्यान सिर्फ कानून कार्यान्वयन पर नै, बल्कि जनचेतनाक दिशामे सेहो अछि,” घिमिरे कहलनि। मुदा ओ ईहो कहलनि जे हाल सडक विस्तार आ कालोपत्रे सड़क निर्माण संग संग गाड़ी चलाबय वला लोकमे बेसी गति आ शराब सेवनक प्रवृत्ति बढ़ि गेल अछि, जे नवका चुनौती बनि कऽ उभरि रहल अछि।
पछिला आर्थिक वर्षमे ट्राफिक नियम उल्लंघन करऽ बला २०,०३४ गाड़ी पर कारवाई कएल गेल, जाहिसँ २ करोड़ २ लाख १८ हजार ५२० रुपैयाँ राजस्व सङ्कलन कएल गेल अछि।
ई ट्राफिक प्रहरीक निगरानी प्रणालीक मजबूतीक संकेत दैत अछि, मुदा स्थानीय स्तर पर नागरिक चेतना, टिकाउ सडक संरचना, आ प्रविधि संग ट्राफिक व्यवस्थापन मे आर बेसी सुधारक आवश्यकता देखाइत अछि।





































