आज्ञा खबर
बर्दिवास, महोत्तरी
शनिबार बर्दिवास नगरपालिका मे भेल विपद् व्यवस्थापन समितिक बैसार मे विपद् केर वर्तमान परिस्थितिक मद्देनजर नगरवासीक राहत लेल किछु महत्वपूर्ण निर्णय लेल गेल। ई बैसार २०८२ सालक असार ८ गते नेपाल सरकार द्वारा राजपत्र मार्फत मधेश प्रदेश केँ “विपद् संकटग्रस्त क्षेत्र” घोषित करबाक पाछाँ भेल छल।
नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्रीक अध्यक्षता मे सम्पन्न बैसार मे ओहि ठाम सभ मे जतय बोरिङ भेल छै मुदा मोटर नइ छै, ताहि ठाम तुरन्त मोटर उपल्बध करबाक निर्णय लेहल गेल। आ जतय बोरिङ सेहो नइ भेल छै, ओहि क्षेत्रक बासीक लेल आवश्यक प्रक्रिया अनुसार बोरिङ निर्माण प्रारंभ करबाक निर्णय सर्वसम्मति सँ पारित भेल।
बैसार मे नेपाल रेडक्रस सोसाइटी महोत्तरी उपशाखा बर्दिवासक प्रतिनिधि, इलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिवास, सशस्त्र प्रहरी बल, इलाका प्रशासन कार्यालयक प्रतिनिधि, संचारकर्मी आ अन्य सरोकारवाला लोकनिक उपस्थिति रहल।
नगरपालिकाक अनुसार, एखनक लगातार वर्षा संगे भू-जल सतह नीच्चाँ जाइत जा रहल छै, जाहि कारणेँ पीयजल आ कृषि प्रयोजन लेल जरूरी पानीक स्रोत धरि पहुँच सुनिश्चित करबाक उद्देश्य सँ ई निर्णय लिआएल गेल।
बर्दिवास नगरपालिकाक ई सेहो कहल गेल जे ओ विपद् व्यवस्थापन मे नागरिकक सक्रिय सहभागिता, आपसी सहकार्य आ सूचना साझेदारी केँ प्राथमिकता देबाक प्रतिबद्धता राखैत अछि।







































