आज्ञा खबर
बर्दिवास
रोटरी क्लब अफ बर्दिवास द्वारा ‘प्लान्टडे’ के अवसर पर शनिचर दिन वृक्षारोपण कार्यक्रम सफलतापूर्वक सम्पन्न कएल गेल। बर्दिवास–३ स्थित कालापानी पिकनिक पार्क में आयोजित कार्यक्रम में विभिन्न ६ सय प्रजातिक गाछी रोपल गेल।
कार्यक्रम के मुख्य अतिथि बर्दिवास नगरपालिका के नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री जमुना प्रजातिक गाछी रोपिकय कार्यक्रम के औपचारिक उद्घाटन कएलनि। ओ कहलकनि जे वातावरण संरक्षण आ हरियाली विस्तार लेल स्थानीय सरकार, समुदायिक संस्था आ नागरिक समाजक संयुक्त प्रयास आवश्यक छै।
वृक्षारोपण अभियान में रोटरी क्लब अफ बर्दिवास के पदाधिकारी, नगरपालिका के जनप्रतिनिधि, कालापानीक स्थानीय युवा समूह, समाजसेवी आ आन-आन सरोकार वाला निकायक सक्रिय सहभागिता रहल।
रोटरी क्लब अफ बर्दिवासक अध्यक्ष कहलनि जे एहि कार्यक्रम सँ जनचेतना जागरुक होयत, संगहि कालापानी पार्क के फेर सँ हराभरा बनेबाक अभियान शुरू कएल गेल अछि। ओ आगाँ कहलनि जे पर्यावरण-मैत्री अभियान केँ निरंतरता देल जायत।
२०७२ साल में तत्कालीन बर्दिवास नगरपालिकाक प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत रामकुमार कार्की के पहल पर बनायल गेल कालापानी पिकनिक पार्क हालि संरक्षण आ व्यवस्थापनक अभाव में उपेक्षित भऽ गेल अछि। एक समय जे पार्क लोकसभक सहभागितासँ बनाओल गेल रहय, ओ आइ घाँस-पातसँ भरल देखाइत अछि।
एहि क्रम में बर्दिवास नगरपालिका पर्यटन पूर्वाधार विकास समिति के अध्यक्ष तथा नेपाल होटल तथा पर्यटन व्यवसायी महासंघ मधेश प्रदेशक अध्यक्ष हिरालाल गौतम कहलनि जे वृक्षारोपण अभियान सँ पार्क में नवजीवन शुरू होयत। हुनकर अनुसार, संरक्षण संगहि आगाँ के दिन में पर्यटन प्रवर्द्धन होयत, जइसँ स्थानीय आ बाहरी बाल-बच्चा तथा परिवार सभ लेल शांति वातावरण में घुमबाक अवसर बढ़त।
रोपल गेल गाछी के संरक्षण लेल रोटरी क्लब द्वारा नियमित अनुगमन आ सिंचाई व्यवस्थाक पहल कएल जाय





































