आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरी जिला बर्दिवास नगरपालिका–१२ स्थित अकवान टोलमे रहल शहलेशबाबा मन्दिरक रंग–रोगन आ शोन्दर्यीकरणक काज पूरा भऽ गेल अछि। नेपालक सिन्तकृत जातिक अन्तर्गत अबै वाला पासवान समुदाय लेल कुलदेवता मानल जाए वाला शहलेशबाबा केर एहि मन्दिरमे बर्दिवास नगर क्षेत्रक पासवान समुदाय पूजा करैत अछि।
बिहिबार एकटा विशेष कार्यक्रमक बीच बर्दिवास नगरपालिकाक नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री द्वारा एहि मन्दिरक औपचारिक उद्घाटन कएल गेल।
नगर प्रमुख क्षेत्री उद्घाटन समारोहमे अपन मन्तव्य दैत कहलनि—
“बर्दिवास नगरमे बसोबास करै वाला सभ जाति, धर्म आ संस्कृति केँ सम्मान आ पहिचान केर संरक्षण करब हम सबहक कर्तव्य छी। शहलेशबाबा मन्दिर पासवान समुदायक आस्था केन्द्र छी, ताहि लेल मन्दिरक शोन्दर्यीकरण सेहो एही उद्देश्यसँ कएल गेल अछि।”

एहि मन्दिरक शोन्दर्यीकरण काजमे नगरपालिकाक २ लाख ५० हजार रूपैयाक सहयोग रहल अछि। काज अन्तर्गत मन्दिरक रंग–रोगन, भित्ति सजावट, गेटक सुधार आ सरसफाइ आदि सम्पन्न कएल गेल।
उद्घाटन समारोहमे स्थानीय अगुवा, पासवान समुदायक प्रतिनिधि सहित ठामक बहुत रास लोक उपस्थित छलाह। सबहक तरफसँ नगर प्रमुख आ नगरपालिकाप्रति आभार प्रकट कएल गेल।
मन्दिर व्यवस्थापन समितिक अध्यक्ष आ पासवान समुदायक अगुवा श्याम पासवान कहलनि—
“हम सब वर्षौंसँ एहि मन्दिरक संरक्षण लेल प्रयास करैत रहलिए। नगरपालिकाक सहयोग आ नगर प्रमुखक पहलसँ आइ हमर सपना पूरा भेल अछि।”
शहलेशबाबा मन्दिरमे प्रत्येक वर्ष विशेष पूजा, भजन–कीर्तन आ पारिवारिक अनुष्ठान होइत रहैत अछि। आब मन्दिर नव रूपमे सजल–धजल भऽ गेल अछि, तें श्रद्धालु लोकनिक संख्या आ आकर्षण आर बढत, एहन विश्वास व्यक्त कएल गेल अछि।
नगरपालिका धार्मिक पर्यटनक प्रवर्द्धन, स्थानीय पहिचानक संरक्षण आ सामाजिक एकताक वृद्धि लेल नगर क्षेत्रक विभिन्न धार्मिक स्थल सभक संरक्षणमे सक्रिय भूमिका निभा रहल अछि। ओही क्रममे बर्दिवास–१२ स्थित शहलेशबाबा मन्दिरक शोन्दर्यीकरण सेहो महत्वपूर्ण कड़ी मानल जा रहल अछि।





































