आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरी जिलाक बर्दिवास नगरपालिका–३ गौरीडाँड़ा काँटा नियार सोमबार राति भारत सॅं तस्करी क’ क’ आनल गेल केराउसँ भरल एक ट्रक केँ प्रहरी पकड़ लेलक। ई ट्रक इलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिवास स’ खटायल प्रहरी टोली द्वारा नियमित जाँच-पड़तालक क्रम मे पकड़ायल।
प्रहरी नायब निरीक्षक विश्वबाबु बुढाथोकीक कमाण्ड मे खटायल सूचना संकलन टोली राति इलाका प्रहरी कार्यालय स’ करिब ९०० मिटर उत्तर दिशामे जाँच करैत रहए, त’ ओहि क्रममे म.प्र.०२–००१ ख ०२१८ नम्बरक ट्रक केँ रोकल गेल।
जाँच करए पर ट्रक मे भारत सॅं तस्करी क’ क’ आनल गेल ३० किलो वजनी ५० बोरा केराउ भेटल। ट्रकक बिलमे जे सामग्रीक विवरण देल गेल छल, ओहिसँ भिन्न सामग्री भेटला पर चालक सहित ट्रक केँ नियन्त्रण मे लेल गेल।
प्रहरीक अनुसार, पकड़ायल केराउक मूल्य प्रति किलो १०० रूपैया मानल जाए त’ कुल मूल्य १ लाख ५० हजार रूपैया होइत छै। संगहि, ट्रकक अनुमानित मूल्य १५ लाख रूपैया बताओल गेल छै।
एहि तरहेँ, ट्रक आ केराउ मिलाक’ कुल १६ लाख ५० हजार रूपैयाक तस्करीक सामग्री बर्दिवास प्रहरी अपन नियन्त्रण मे लऽ चुकल छै।
प्रहरी द्वारा एहि मामिलामे आगाँ आरो जाँच पड़ताल चलि रहल छै।





































