आज्ञा खबर
बर्दिवास
महोत्तरी जिला के बर्दिवास नगरपालिका–८ के विभिन्न ठाम पर इलेक्ट्रिक आ सौर्य वाष्प बत्ती लगाबय के काज शुरू भ’ गेल अछि। साँझ होइतहि उजास नञि रहबाक कारणें गामक लोक आ ब्यवसायी सभकेँ दैनंदिन काजमे बहुत असुबिधा होइत रहल छल। एहि परिस्थिति के देखैत नगरपालिका द्वारा ई पहल लेल गेल अछि।
बर्दिवास–८ मे अबैत बेङ्गखाडी बजार क्षेत्र साँझ होइतहि अन्हार भ’ जाइत छल, जाहिसँ हाटबजारमे आबि तरकारी, फल-फूल, माछ, मांस वगैरह किनबाक लेल आबि रहल ग्राहक सभ आ दुकानदार सभकेँ बहुत कठिनाइ होइत छल।
एहि ठामक समस्या के धेयानमे राखिकय नगर प्रमुख प्रह्लाद कुमार क्षेत्री के नेतृत्वमे बेङ्गखाडी बजार, सर्वेश्वरनाथ महादेव मंदिर परिसर आ हातिलेटक कतेको ठाम पर इलेक्ट्रिक आ सौर्य वाष्प बत्ती लगाबय के काज शुरू भेल अछि।
स्थानीय समाजसेवी नथुनी लोप्चन कहलनि जे, “पछिला समयमे अन्हार होयबासँ ब्यवसायी सभकेँ साँझमे डर लागैत छल आ ग्राहक लोकनि केँ किनैक लेल दिक्कत होइत छल। आब बत्ती लागलासँ साँझोमे आराम सँ हाटबजार चलाओल जा सकत।”
नगरपालिका द्वारा सौर्य ऊर्जा के प्रयोग कय टिकाउ आ पर्यावरण-संवेदी प्रविधि अपनाओल गेल अछि। ई प्रणाली सँ दीर्घकाल धरि उजास रहत आ बिजली नञि रहितो सौर्य सिस्टम वैकल्पिक ऊर्जा दैत रहत।
स्थानीय लोकनि नगर प्रमुख के ई कदम केँ स्वागत केलनि अछि। ओ सभ कहलनि – “एखने अन्हार हटत, महिला आ बूढ़ लोककेँ आबि-जाइमे सहुलियत होयत, आ हाटबजार फेर सँ गुलजार बनत।”
नगरपालिकाक कहब अछि जे आगाँ आन वाड़सभमे सेहो एहन प्रविधि के विस्तार कैल जायत। ई उजास अभियान बर्दिवास केँ एकटा सुरक्षित आ सक्रिय बजार क्षेत्र बनेबाक दिसा मे एकटा महत्वपूर्ण योगदान देत।





































