आज्ञा खबर
सर्लाही
एक समय अपने केँ ‘सिंघम’ कहै बला पुलिस नायब निरीक्षक (सई) बैधनाथ दास आब बदनामीक घेरामे छथि। तस्कर संगे आर्थिक सौदा-समझौता के ऑडियो बाहिर अबै के बाद हुनका निलम्बन कएल गेल अछि।
सई दास सर्लाही जिलाक इलाका प्रहरी कार्यालय हिरापुरमे कार्यरत छलाह। स्थानीय चर्चित तस्कर राजीव यादव संगे हुनकर साँठगाँठ आ आर्थिक लेनदेनक प्रमाणस्वरूप एकटा फोन संवादक अडियो सार्वजनिक भेलाक बाद जिल्ला प्रहरी कार्यालय, सर्लाही द्वारा तुरन्त कारबाई प्रक्रिया अगिला गेल।
प्रहरी स्रोतक अनुसार, सई दास अपने मातहतक जवान सन्तोष यादवक माध्यम सँ राजीव यादवक तस्करीमे सहयोग करै लेल १८ हजार रुपैया माँगने छलाह। एहि सौदाक फोन संवाद सार्वजनिक भेलासँ पुलिस संगठनमे हड़कंप मचि गेल।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक प्रवक्ता डिएसपी सरोज राई ए घटनाक पुष्टि करैत कहलनि जे — “अडियो बाहिर अबै के बाद तुरन्ते कारबाई कएल गेल अछि। यस्ता घटना सँ संगठनक छवि धूमिल होइत अछि, तैं प्रमाण नष्ट नहियै होइ आ अनुसन्धान प्रभावकारी बनै, ताहि लेल मधेश प्रदेश प्रहरी कार्यालय, जनकपुरमार्फत प्रहरी प्रधान कार्यालयमे दासक निलम्बनक सिफारिश पठाओल गेल।”
कोरोनाक महामारीक समय बीरगंजमे कार्यरत रहैत सई दास ‘सिंघम’ शैलीमे लोकबीच चर्चित भऽ गेल छलाह आ स्थानीय लोकनि हुनका ऊपर विश्वास करैत छलाह। मुदा ताजा घटनाक बाद हुनकर छवि ध्वस्त भऽ गेल अछि। आब हुनका विभागीय अनुसन्धानक सामना करय पड़त।





































