पूर्वप्रदेश प्रमुख अहिराज बलात्कार आरोपमे पुलिस हिरासतमे

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
काठमांडू

मधेश प्रदेशक पूर्वप्रदेश प्रमुख राजेश झा ‘अहिराज’ पर बलात्कारक आरोप लागल अछि आ ओ एखन काठमांडूक भद्रकालीस्थित जिल्ला प्रहरी परिसरक हिरासतमे छथि। रौतहट जिलाक रहनिहार झा पर काठमांडूक एक २३ वर्षीया युवती द्वारा जबरदस्ती करणी (बलात्कार) केर आरोप लगाओल गेल अछि।

पुलिसक अनुसार पीड़ित युवती आ झा बीच पारिवारिक चिनाजानी छल। मधेश प्रदेशक प्रमुख रहैत काल झा काठमांडू एलाकाल प्रायः नवबानेश्वरस्थित पीड़ितेक घरमे रहथि। पत्रकारितासँ सार्वजनिक जीवन शुरू कएनिहार झा के ओहि समय “सांस्कृतिक” आ “बौद्धिक” छवि वाला व्यक्तिक रूपमे मानल जाइत छल। एहि कारणसँ पीड़ित परिवार हुनका अपन घरमे सादर आश्रय देलक।

पीड़ित द्वारा पुलिसमे दर्ता कराओल गेल उजुरी अनुसार, झा घरमे रहैत कई बेर पीड़ित संग बलात्कार केलनि। एहन गंभीर आरोपक बीच पीड़ित परिवार अंततः सत्यक उजागर करबाक स्थिति मे आयल। अनुसन्धानमे संलग्न एक अधिकारीक अनुसार, एक बेर पीड़ित युवतीक बैंक खाता मे चार लाख टका जमा होएबाक तथ्य भेटल अछि। पुलिस स्रोतक अनुसार, “झा कहैत छथि जे ओ रकम युवती द्वारा बार्गेनिंग कऽ कऽ लेल गेल छल, मुदा खाता मे रकम जमा भेल तथ्यसँ ओ दाबी प्रमाणित नै भऽ रहल अछि।”

पीड़ित द्वारा २०८१ सालक माघ ३ गते झा विरुद्ध जाहेरी दर्ता कराओल गेल छल। जाहेरी दर्ताक बाद झा उल्टे पीड़ित युवतीक विरुद्ध आपराधिक लाभ (एक्सटर्सन) केर मुद्दा दायर केलनि। ओ कहैत छथि जे पीड़ित युवती हुनसँ ५० लाख टका माँगलनि, आ ओ चार लाख टका मात्र देलनि।

मुदा, पीड़ित युवती ओ आरोपकेँ स्पष्ट रूपसँ नकारैत पुलिस समक्ष बयान देलनि — “हमर विरुद्ध आरोप सिद्ध करि सकलहुं तऽ हम कानूनी कारबाई भोगबाक लेल तैयार छी।”

२०७७ सालक फागुन महिनामे झा मधेश प्रदेशक प्रमुख बनल छलाह। अदालत द्वारा पुर्जी जारी भएला उपरांत २०८१ सालक चैत २५ सँ ओ फरार छलाह। जिल्ला प्रहरी परिसर काठमांडूक प्रमुख एसपी अपिल बोहराक अनुसार, अदालतक आदेश अनुसार बलात्कारक मुद्दा मे हाल झा विरुद्ध अनुसन्धान जारी अछि।

ओ कहलनि जे सरकारी वकिल कार्यालय संग समन्वय कऽ बलात्कार आ आपराधिक लाभसँ सम्बन्धित दुई अलग-अलग मुद्दा केँ केना अगाडि बढ़ाओल जाए, से निर्णय लैत कालमे अछि। अहिराज बलात्कारक आरोप केँ अस्वीकार करैत छथि।


  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...