बर्दिबास मे आन्तरिक राजस्व कार्यालय संचालन मे, सेवा क्षेत्र केर विस्तार

[sharethis-inline-buttons]

आज्ञा खबर
बर्दिबास, महोत्तरी

महोत्तरीक बर्दिबास मे आब सिर्फ करदाता सेवा कार्यालय नहि, बल्कि आन्तरिक राजस्व कार्यालय (आईआरओ) सेहो संचालन मे आबि गेल अछि। बुधदिन सँ नव सेवा सभ जोड़ि कऽ ई कार्यालय आब कर परीक्षण, निरीक्षण आ अनुसंधानसम्बन्धी काज सेहो करए लागल अछि।

एहि सँ पहिने बर्दिबास स्थित करदाता सेवा कार्यालय सिर्फ कर संकलन धरि सीमित छल। मुदा आब ई पूर्णरूपेण आन्तरिक राजस्व कार्यालयक रूप मे रूपान्तरित भऽ विस्तारित सेवा प्रदान करए लागल अछि। कार्यालय प्रमुख गेहेन्द्रप्रकाश गिरीक अनुसार, ई कार्यालय आब सिर्फ कर संकलन नहि, बल्कि व्यवसायक लेखापरीक्षण, कर चोरीक अनुसंधान आ कानूनी निगरानी जेकाँ काज सभ सेहो करत।

सेवा क्षेत्रक हिसाब सँ कार्यालयक कार्यक्षेत्र सेहो काफी विस्तार भेल अछि। महोत्तरीक बर्दिबास आ गौशाला संग-संग धनुषाक मिथिला नगरपालिकाकेँ सेवा दैत रहल ई कार्यालय आब सर्लाहीक हरिवन, लालबन्दी, मलंगवा संगहि सिन्धुली जिला सेहो सेवा क्षेत्र मे शामिल कऽ लेने अछि।

स्थानीय व्यवसायी सभक कहब अछि जे कार्यालयक स्तरोन्नति भेला सँ करसम्बन्धी काज लेल राजधानी जनकपुरधाम धाओक झंझट समाप्त भऽ जेतै। आब बर्दिबास मे सीधे कर सेवाक लाभ भेटलासँ समय आ खर्च दुनू मे बचत होयत।

हाल ई कार्यालय बर्दिबास मुख्य बजार क्षेत्र मे भाड़ा पर संचालन मे अछि। मुदा कार्यालयक जानकारी अनुसार, बर्दिबास–१४ स्थित अपनै जमीन पर आधुनिक सुविधासम्पन्न भवनक निर्माण कएल जा रहल अछि।

बुधदिन आयोजित एकटा कार्यक्रम मे आन्तरिक राजस्व कार्यालय जनकपुरधामक प्रमुख कर अधिकृत आनन्दकुमार गुप्ताक औपचारिक उद्घाटनक संगहि बर्दिबास स्थित कार्यालय आन्तरिक राजस्व कार्यालयक रूप मे सेवा देबाक घोषणा कएल गेल।

  • लोड हुँदैछ...
  • Loading...
  • लोड हुँदैछ...